नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केंद्रक सौतेला व्यवहार...बिजली कोटा मे कटौती

बिहार सं खबर आबि रहल अछि जे केंद्र सरकार बिहार के बिजली कोटा मे करीब 100 मेगावाट के कटौती करि देलक अछि. बिहार के मुख्यमंत्री पिछला दिन दिल्ली मे प्रधानमंत्री आओर दोसर मंत्री से मिल क बिहार के लेल विशेष दर्जा आओर बिजली... कोयला संग दोसर सुविधा के मांग करलखिन्ह.

मुदा केंद्र सरकार के बिहारक संग पक्षपात पूर्ण रवैया देखिऔ जे ओ बिहारके आओर बिजली देबय के जगह अखन तक बिहार के बिजली मिलय के जे कोटा छल ओहु मे
100 मेगावॉट के कटौती करि देलक. ई बिहार के संग सरासर सौतेला व्यवहार अछि.

केंद्र के एहि कदम के बीजेपी... जेडीयू... आरजेडी...एलजेपी के संग... राज्य के कांग्रेसी नेता सभ के सेहो विरोध करबाक चाही. नहि त कांग्रेस के जेहो चारिटा सीट मिलल अछि ओहो खत्म भ जाएत . तखन फेर बिहार मे कांग्रेस के कोनो नाम लेबय वाला नहि रहत.

बिहार मे अखन पटवन के समय अछि. किसान भाई लोक सभ पटवन मे लागल छथिन्ह. एहन मे बिजली कोटा मे कटौती सं जेहो कनि दू-चारि घंटा बिजली मिलैत अछि ओहो नहि मिलत. महंगाई के कारण डीजल... पेट्रोलक दाम ओहिना आसमान पर अछि.

बिहार मे अखन विद्यार्थी सभ के लेल पढ़ाई...परीक्षा के समय अछि. आब लाइने नहि रहत तं पढ़ाई कि होएत ? मटिआ तेल भगवाने भरोस मिलैत अछि. राशन...कोटा के दोकान मे मास-दू मास पर दू -चारि लीटर मटिआ तेल मिलैत अछि. ओहि सं कि होएत?

केंद्र सरकार ऊर्जा मंत्रालय के एहि फैसला पर आब बिहार सरकार काल्हि विरोध जताएत. मुख्यमंत्री सेहो ऊर्जा मंत्री सं शिकायत करि सकय छथिन्ह. लsदsक ई मामला काल्हि सं गरमाएत. अहां सभ सेहो केंद्र के एहि कदम के विरोध के लेल आगां आउ.

भ्रष्टाचार... महंगाई... कालाधन... 2जी... स्विस बैंक... राडिया टेप... आदर्श घोटाला मे फंसल केंद्र सरकार लोक के ध्यान एहिपर हटाबय लेल दसटा तरीका अपना रहल अछि. लोक के ध्याम भटकाबय के कोशिश करि रहल अछि.

मुदा अहां सभ के ओहि सं नहि हटैत एहि पर सेहो विरोध जताबय के जरूरत अछि. केंद्र सरकार के एहि कदम के जतेक विरोध भ सकय करय लेल आगां आउ. सभ बिहारी एकजुट होए. बिहार के संग आब आओर पक्षपात बर्दाश्त नहि कएल जाएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु