Skip to main content

बिल गेट्स फेर आबि सकय छथि बिहार

माइक्रोसॉफ्ट के संस्थापक बिल गेट्स फेर सं बिहार दौरा पर आबि सकय छथि. दुनिया के सभसं धनी लोकक सूची मे दोसर स्थान पर रहय वाला बिल गेट्स दान-पुण्य के काज... सामाजिक काज मे सेहो जमि क पाई खर्च करय छथिन्ह.

जतेक कमाई छथिन्ह ओतेक खर्च सेहो करय छथिन्ह. कॉर्लोस सिल्म हेलु... बिल गेट्स... वॉरेन बफे ई सभ दुनिया के एहन अमीर छथिन्ह जे हर साल अरबों रुपया
दान-पुण्य... परोपकार के काज मे खर्च करय छथिन्ह.

पहिने के जमाना मे भारत मे सेहो लोक सभ भलाई के लेल... पुण्य कमाई लेल पोखर... तालाब... धर्मशाला... सराय... अस्पताल... फलक बाग... स्कूल-कॉलेज आओर मंदिर बनाबय छलखिन्ह.

पिछला साल 2010 मे खगड़िया मे  लोक के संग बिल गेट्स
मुदा भारत मे आब एहि तरहक चलन कम भs गेल अछि. भारत मे आब एनजीओ के बाढ़ि आबि गेल अछि. मुदा एनजीओ शब्द सुनतहिं लोक एकरा दोसर नजर सं देखय लागय छथिन्ह.

देश मे सेहो किछ लोक नीक काज क रहल छथिन्ह. मुदा किछ खुदगर्ज लोक के कारण भारत मे एनजीओ शब्द बदनाम जकां भ गेल अछि. एनजीओ के तरफ सं जे रिजल्ट अएबाक चाही से नहि आबि रहल अछि.

आब देखिऔ बिल गेट्स अमेरिका के छथिन्ह मुदा ओ बिहार मे सेहो जनकल्याणकारी काज मे लागल छथिन्ह. राज्य सं पोलिओ उन्मूलन मे लागल छथिन्ह. पिछला साल मई मे बांका आओर खगड़िया सेहो गेल छलखिन्ह.

बिल गेट्स साहेब 'बिल एंड मिलिंडा गेट्स फाउंडेशन' के मार्फत सं भलाई के काज मे लागल छथिन्ह. ओ बिहार सरकार के हेल्थ सेक्टर मे भ रहल काज के सराहना करलखिन्ह.

कम्प्यूटर के बादशाह बिल गेट्स मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के अपन हाथ सं चिट्ठी लिख क भेजलखिन्ह आओर ओहि मे कहलखिन्ह जे ओ पोलिओ उन्मूलन के क्षेत्र मे राज्य के लेल आओर काज करय चाहय छथिन्ह.

एहि सिलसिला के जारी राखल लेल ओ जल्दीए फेर सं बिहार आबि सकय छथिन्ह. ओ बिहार मे भ रहल काज सं काफी प्रसन्न छथिन्ह. ओ मदद देबय लेल बिहार सरकार सं एकटा सहयोग पत्र पर सेहो दस्तखत करने छथिन्ह.

हिनकर 'बिल एंड मिलिंडा गेट्स फाउंडेशन' भलाई... परोपकार के काज मे 1994 सं अखन धरि करीब 24 अरब डालर द चुकल छथिन्ह. एहि मे पिछला साल खर्च कएल गेल धन शामिल नहि अछि.

हिनकर फाउंडेशनक मुख्यरूप सं ध्यान जच्चा-बच्चा सं जुड़ल हेल्थ सेक्टर पर रहय छनि. काफी काज क रहल छथिन्ह मुदा अखनो काफी किछ करय के अछि किएक त अखनो हर साल 80 लाख बच्चा 5 साल के उम्र तक नहि पहुंचि पाबैत अछि.

लोक सभ के सेहो भलाई... परोपकार... जन कल्याणकारी... समाज सेवा के काज मे आगां अएबाक चाही. पाई आओर धने सभ किछ नहि अछि. अहां कोनो तरहे अपन सहयोग द सकय छी.

लोक के जागरूक क sक... शिक्षित करि क... जतय परोपकार काज चलि रहल अछि ओहि मे शामिल भsक. अहां जेहि तरहे एहन काज मे सहयोग करय चाही करु. अपन बड़ ध्यान राखलौं आब कनि दोसरों के राखिऔं.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...