रूपम-केसरी मामलाक जांच सीबीआई करत

खबर आबि रहल अछि जे पूर्णिया विधायक राजकिशोर केसरी हत्या मामला केर जांच सीबीआई करत. सीबीआई सं जांच कराबय पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सहमत भ गेलाह. सीबीआई जांच के लsक राज्य मे जोर-शोर सं मांग उठि रहल छल.

एहि मांग पर तखन आओर जोर पड़ल जखन खुद उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आओर पूर्णिया सं एमपी उदय सिंह जी सेहो
सीबीआई जांच के मांग करि देलखिन्ह. विपक्षी पार्टी सभ सेहो एहि पर जोर द रहल छल.

मोदी जी एहि बात सं इनकार करलखिन्ह जे ओ पुलिस जांच के प्रभावित करय के कोशिश करि रहल छथिन्ह . मुख्यमंत्री के भेजय अपन पत्र मे अपनाके पाक-साफ बतौलखिन्ह.

एम्हर रूपम पाठक के पति अशोक पाठक जीक कहनाय छनि जे रूपम पाठक विधायक जीक खिलाफ अपन केस दबाव मे वापस लेने छलीह. ओ रूपम के पक्ष मे ठाड़ भ रूपम के सही ठहरौलखिन्ह.

ओना एहि मामला पर सीबीआई जांच के मांग के लsक आई दिन भर पटना के राजनीतिक पारा गर्म रहल. महिला सभ रूपम के पक्ष मे प्रदर्शन सेहो कएलीह. सामाजिक कार्यकर्ता सभ सेहो रूपम के पक्ष मे आगा अएलीह.

पटना हाई कोर्ट के किछ वकील रूपम पाठक के पक्ष मे आबि कानूनी मदद देबय के बात सेहो कहलखिन्ह. जे होए सरकार आब सीबीआई जांच के मांग मानि लेलक अछि.




Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

नैका बंजारा

हमर विआह-9

हमर विआह -7

आई मिस यू मोना...

नीतीश जीक पास उठल दरभंगा एसडीओ मामला

हमर विआह-10

मिथिला सं कांग्रेस ...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव