Skip to main content

किछ हरायल शब्द

फेसबुक पर भवेश नंदन जी बड़ नीक चीज शुरू कएलाह. ओ अपन प्रोफाइल मे मैथिलीक भोजन सं संबंधित किछ एहन शब्द रखलाह जकर इस्तेमाल कम भ रहल अछि. हिनकर एहि कोशिश पर नीक-नीक कमेंट सेहो आबि रहल छनि.

Vixy Pro के नाम सं विकास झा जीक कमेंट देखिऔ.. की यौ बाऊ...जमैन फैंक क फेसबुक पर बैसल छलु की. विकास जीक किछ शब्द जोड़य सेहो छथिन्ह. भवेश जी आओर विकास जी दूनु फिल्मकार छथिन्ह. दिल्ली मे रहय छथिन्ह आओर एहिठाम होए वाला मैथिली कार्यक्रम... समारोह मे बढ़ि-चढ़ि कs भाग लय छथिन्ह.

अहां सभ सेहो भवेश जी... विकास जी आओर कृपा नंद झाजी जकां एहने किछ-किछ शब्द डालि एहि कड़ी के जोड़ैत रहिऔ. एहि शब्द के देखि क हम सभ गाम-घर मे वापस चलि जाए छी. ई शब्द अपन मिथिलाक याद दिलाबैत अछि.

भवेश जी...विकास जी आओर कृपानंद झा जीक भोजन सं संबंधित किछ शब्द अछि...

तीमन (vegetable), सोहारी (Bread),

रामतरोई (Ladyfinger) , भांटा (Brinjal),

भंसा घर' (Kitchen) , भानस (Cooking) ,

करछ (Serving spoon/Laddle),

चंगेरा (Flatten Bamboo Basket) ,

रही(Blender) , गीरनाई (Gobble),

झोर (Gravy) , संतोला (Orange),

सियो (Apple), लेमनचूस (Candy) ,

नून (Salt), करुआ तेल (Mustard oil) ,

आलू सन्ना ( Massed Potato) ,

खिच्चैर (Rice & Pulse cooked together) ,

गहुम(Wheat), खेरही (मूंग) ( green bean)

दाइल (Pulse), झौंसगर (Spicy),

झूर सोहारी (crispy bread) , बासन (Utensil),

घाईट (Gram Flour), नेमो (Lemon),

मूर (Radish), अल्हुआ (Sweat Potato),

माउस (Meat), कांट-कूस ( Fish),

ओरिका (Milk boiling tool made with coconut Shel),

फटोन (Cheese) ,

डाढ़ी (thick layer of milk cream accumulated in milk boiling pan)

औग्थान ( post mid night dinner)

जलखई(breakfast) , पैनपियाई(brakfast for labors),

तप्पत(very hot dish), भूजा(corn snacks) ,

कुच्चा(typical mango pickle),

पिरिकिया(barley made sweet snacks)

छिट्टा (bamboo Basket),

मौनी (Small Bamboo Basket), अर्नेबा (Papaya),

लताम (Guava)
अहां सभ सेहो एहने किछ शब्द भेजबाक कष्ट करु...

Comments

  1. किछु आर जोड़ू :

    चिनबार

    खोंईछ्

    पजेबा

    चिक्कस

    अनसोहांत

    आरो फेर कहियो ... प्रकाश चन्द्र

    ReplyDelete
  2. धन्यवाद प्रकाश जी, एहिना लिखैत रहिऔ.

    ReplyDelete
  3. भवेश नन्दनOctober 29, 2010 at 9:19 PM

    हरेक भाषा के अप्पन विशिष्टता होइत छै ...आ मैथिली त' बड्ड मधुर भाषा छैहे आ एही में शब्द भंडार सेहो अपार छैक ....हम सब मिली क' अहि भाषाक अप्रचलित होइत जा रहल शब्द के संकलन त' करबे करी....संगे एकर प्रयोग कर' के सेहो आदत बनाबी ...से अनुरोध ...धन्यवाद हितेंद्र जी अहांके, अहि क्रम के आगा बढ़ाब' लेल .....

    ReplyDelete
  4. भवेश जी... ई अहांक कारण संभव भेल. अहां नहिं फेसबुक पर एकरा डालतौं नहि हम हेलो मिथिला पर. उम्मीद अछि जेना-जेना अहांके नव-नव शब्द याद आएत. कमेंट के मार्फत सं एहि मे जोडने जाएब. धन्यवाद

    ReplyDelete
  5. दलान
    भिनसर
    कोजगरा
    मखान
    टिकुला
    मोछी
    केरा
    बांस क कोपर
    घूर
    छौर
    घघरा
    आइग
    टटीबा
    कोछ्बी

    ReplyDelete
  6. दलान
    भिनसर
    कोजगरा
    मखान
    टिकुला
    मोछी
    केरा
    बांस क कोपर
    घूर
    छौर
    घघरा
    आइग
    टटीबा
    कोछ्बी

    ReplyDelete
  7. धन्यवाद शशि जी. कोछबी के मायने बताबय के कष्ट करब. याद नहि आबि रहल अछि.

    ReplyDelete
  8. pathia, phautiba, kabauch, sohjan, kadima, sajmani, genhari saag, arikanchan, itta, bharkothi, bakhari etc.

    ReplyDelete
  9. अदहन
    अन्ह्रजाली
    कनसुप्ती
    उधियायल
    कोनिया
    राम झुमनी
    कुसियार
    उक
    जारैन
    लुती
    दाईल
    झर्कल

    अन्हार क s दूर भगाबू एहेन फेरु उक |
    धन कुबेर के सतत वर्षा सँ भरल रहे संदूक ||
    माँ लक्ष्मी स्नेहक छाया सदिखन परय अहाँ पर |
    धन, दौलत आ यशक पताका फहरय सदा धरा पर ||


    समस्त मैथिल, मिथिलावाशी अओर मिथिला आ मैथिलि से स्नेह रख्नियर के हमरा तरफ सँ दीयाबातीक हार्दिक शुभकामना |

    दयाकांत

    ReplyDelete
  10. Sarji, hamar naam Dinesh Mishra achi aa Maithili filmak lel Hero/Heroine ke avyashkta achi. Se add. katay likhu kani sujhaw deb? Hamar Mobile no.09830823698 mail ID: mishradinesh32@yahoo.com

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...