Skip to main content

जोर पकड़लक चुनाव प्रचार

बिहार विधानसभा चुनाव के लेल सभ पार्टी जोर-शोर सं प्रचार मे जुटि गेल अछि. वोटर के अपना पक्ष मे करय लेल... लुभाबय लेल जतेक जुगत होएत अछि करल जा रहल अछि. उम्मीदवार सभक नजर पार्टी के स्टार प्रचार पर लागि गेल छनि.

टिकट मिलला के बाद सभ पार्टी के उम्मीदवार आब एहि लेल जोर लगौने छथिन्ह जे बड़का-बड़का नेता हुनका विधानसभा क्षेत्र मे आबि लोक सभ के संबोधित करथुन्ह. उम्मीदवार सभ के उम्मीद छनि जे स्टार प्रचार के आबय के असर वोट पर पड़ि सकैत अछि.

जेडीयू के देखल जाए त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी खुद स्टार प्रचारक छथिन्ह आओर 8 तारीख सं जनादेश यात्रा पर निकलि रहल छथिन्ह. चारि दिन तक ओ पहिल चरण मे मतदान होए वाला क्षेत्र मे सं 26 ठाम जनसभा करथिन्ह.

जेडीयू के सभ उम्मीदवार के तरफ सं नीतीश जीक मांग छनि आओर मुख्यमंत्री जीक कोशिश हर ठाम जएबाक छनि. हुनका संग पार्टी नेता शरद यादव... शिवानंद तिवारी ... विजय कुमार चौधरी सेहो प्रचार लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह.

बिहार मे जेडीयू आओर बीजेपी के गठबंधन अछि. आओर उम्मीद कएल जा रहल अछि जे नीतीशजी बीजेपी नेता लालकृष्ण आडवाणी जीक संग जनसभा करताह. ई सेहो तय अछि जे नरेन्द्र मोदी आओर वरुण गांधी प्रचार नहि करताह.
बीजेपी के तरफ सं आडवाणी जीक संग-संग पार्टी अध्यक्ष नितिन गडकरी... मुरली मनोहर जोशी... सुषमा स्वराज... अरुण जेटली... उप मुख्यमंत्री सुशील मोदी... बिहारी बाबू शत्रुघ्न सिन्हा...फिल्म अभिनेत्री हेमा मालिनी आओर स्मृति ईरानी प्रचार अभियान मे जान डालथिन्ह.

बीजेपी-जेडीयू के बाद लोक के सभ सं बेसि नजर लालू यादव जी पर रहतन्हि. लालू जीक प्रचार के अंदाज सभ सं निराला छनि. प्रचार मे हिनकर चुटकी लोक के लोट-पोट करि दैत अछि. आओर एहि बेर त ओ अपन पूरा फॉर्म मे छथिन्ह.

केंद्र मे मंत्री नहि रहला के कारण लालू जी एहि बेर अपन पूरा समय राज्य पर देलखिन्ह. आरजेडी मे हुनका अलावा खुद राबड़ी देवी जी...राम कृपाल यादव... अब्दुल बारी सिद्दीकी आओर हालहिं मे पार्टी मे शामिल प्रभुनाथ सिंह प्रचार के जिम्मेदारी संभालथिन्ह.
लालू जीक जकां रामविलास पासवान जी सेहो केंद्र मे मंत्री नहि बनय के कारण अपन बेसि समय राज्य मे गुजारलखिन्ह आओर पार्टी के बेस मजबूत करय मे लागल रहलखिन्ह. हिनकर पार्टी एलजेपी मे हिनकर संग रामचंद्र पासवान जी देथिन्ह.

अगर स्टार प्रचारक के हिसाब सं देखल जाए त बिहार चुनाव मे एहि बेर सभ सं बेसि अहां के कांग्रेस के तरफ सं देखय के लेल मिलि सकैत अछि. जे पार्टी जतेक कमजोर ओकर अमला ओतेक भारी. कांग्रेस एहि बेर एकसरे चुनाव मे ठाड़ अछि.

कांग्रेस के तरफ सं नेता सभ के नजर राहुल गांधी पर लागल छनि. राहुल गांधी मिशन बिहार के लेल केंद्र के तमाम बड़का नेता के बिहार भेज रहल छथिन्ह. ओ खुद त जोर -शोर से जुटल रहबे करताह.

अगिला हफ्ता राहुल गांधी आ फेर सोनिया गांधीजीक चुनाव कार्यक्रम भ सकैत अछि. स्टार प्रचारक मे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जी सेहो शामिल छथिन्ह. हिनका संग कइटा केंद्रीय मंत्री आओर नेता सेहो बिहार दौरा पर आबि रहल छथिन्ह.
केंद्रीय नेता मे सं सचिन पायलट... ज्योतिरादित्य सिंधिया... अंबिका सोनी... अजय माकन... जतिन प्रसाद... सलमान खुर्शीद ...दिग्विजय सिंह... गुलाम नबी आजाद आओर मुकुल वासनिक प्रमुख छथिन्ह.

दिल्ली केर मुख्यमंत्री शीला दीक्षित... राजस्थान के मुख्यमंत्री अशोक गहलोत आओर महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री अशोक राव चाह्मण सेहो प्रचार करताह. एकरे संग खबर अछि जे शाहरुख खान आओर प्रीति जिंटा पटना मे रोड शो करि सकय छथिन्ह.

बीएसपी के तरफ सं उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री मायावती आओर सपा के तरफ सं मुलायम सिंह यादव आओर अखिलेश सिंह यादव अएताह. एनसीपी सं शरद पवार आओर तारिक अनवर होताह...लेफ्ट सं प्रकाश करात...वृंदा करात... सीताराम येचुरी आबि सकय छथिन्ह.

त चुनाव तक बिहार मे रमन-चमन बनल रहत. रोज कोनो नहि कोनो नेता के भाषण.. जनसभा होएत. झंडा... बैनर लहराएत. जिंदाबाद-मुर्दाबाद के नारा लगत. त आनंद उठाउ. सुनु सभ के बस जे नीक लगए हुनका जीताउ.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. Delhi me eik Matra BJP Sa Bihari MLA Sh. Anil Jha Jee seho Prachar Karta. Anil Jha jee seho Star Pracharak Chhatheen.. Kaphi Young age me MLA bhela, Delhi BJP ke VP Seho chhait.

    ReplyDelete
  2. hum mla anil jha ke jha ji(Dr.Jairudra Jha)ke bhai chhi a akhan india news mein kaaj kari chhi.aahan ke ayee mahaabhiyaan mein humhun yodaan deva ke iksuk chhhi,yogdaan ke aadesh maargdarshan ke saath tarunjha@live.com va tarunjha4@gmail.com par dev. pratiksha mein......
    Tarun Jha
    Assignment
    India News

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...