बिहार मे बाजल चुनावी बिगुल

बिहार मे विधानसभा चुनावक तारीख केर एलान करि देल गेल अछि. चुनाव छह चरण मे 21 अक्टूबर सं 20 नवंबर तक होएत. तारीखक एलान के संग चुनाव आचार संहिता सेहो लागू भS गेल अछि. वोटक गिनती 24 नवंबर क होएत. मुख्य चुनाव आयुक्त एसवाई कुरैशी चुनाव कार्यक्रमक एलान कएलखिन्ह. बिहार में 243 विधानसभा सीट पर चुनाव होए के अछि. बिहार मे साढ़े पांच करोड़ सं बेसि वोटर छथिन्ह. चुनाव आयोग के मुताबिक राज्य मे 56,943 मतदान केंद्र बनाएल जाएत जेहि पर इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन... ईवीएम सं वोटिंग होएत.

पहिल चरण: 21 अक्तूबर- 47 सीट

दोसर चरण: 24 अक्तूबर- 45 सीट

तेसर चरण: 28 अक्तूबर- 48 सीट

चारिम चरण: 01 नवंबर- 42 सीट

पाचिम चरण: 09 नवंबर- 35 सीट

छठम चरण: 20 नवंबर- 26 सीट

वोटक गिनती : 24 नवंबर
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?