बिहार मे विधानसभा चुनावक तारीख केर एलान करि देल गेल अछि. चुनाव छह चरण मे 21 अक्टूबर सं 20 नवंबर तक होएत. तारीखक एलान के संग चुनाव आचार संहिता सेहो लागू भS गेल अछि. वोटक गिनती 24 नवंबर क होएत. मुख्य चुनाव आयुक्त एसवाई कुरैशी चुनाव कार्यक्रमक एलान कएलखिन्ह. बिहार में 243 विधानसभा सीट पर चुनाव होए के अछि. बिहार मे साढ़े पांच करोड़ सं बेसि वोटर छथिन्ह. चुनाव आयोग के मुताबिक राज्य मे 56,943 मतदान केंद्र बनाएल जाएत जेहि पर इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन... ईवीएम सं वोटिंग होएत.
पहिल चरण: 21 अक्तूबर- 47 सीट
दोसर चरण: 24 अक्तूबर- 45 सीट
तेसर चरण: 28 अक्तूबर- 48 सीट
चारिम चरण: 01 नवंबर- 42 सीट
पाचिम चरण: 09 नवंबर- 35 सीट
छठम चरण: 20 नवंबर- 26 सीट
वोटक गिनती : 24 नवंबर
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु