Skip to main content

Posts

Showing posts from September, 2010

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

अहां केना सहैत होएब ?

इंस्टिट्यूटक आखिरी दिन छल... कॉन्वोकेशन मे शामिल अठाइसो स्टुडेंट... स्टुडेंट नहि जर्नलिस्ट कहिऔ...बड़ खुश छलखिन्ह...कॉन्वोकेशन केर बाद भेल पार्टी मे कई अखबारक एडिटर... बड़का-बड़का पत्रकार... मंत्री... नेता... अधिकारी... आओर दिल्ली मे रहय वाला पत्रकार सभ अपन-अपन दोस्त... परिवार के संग आएल छलाह. सभ एक-दोसरा सं मिल रहल छलाह... नाचि-गा रहल छलाह... खा-पीब रहल छलाह. हमहुं किनको सं गप करय मे बिजी छलहुं...कि मिताली आबि कहलीह, “हाय हितेंद्र, हिनका सं मिलु... हमर कजिन तान्या...फाइनल ईयर मे छथीह” घर पर अक्सर अहांक आओर दोसर फ्रेंड सभ के बारे मे गप होएत रहैत अछि. मुदा ई अहां सं किछ बेसि प्रभावित छथीह कि आखिर हितेंद्र मे कि छनि जे हम एतेक तारीफ करैत रहय छिएन्हि...लिअ आई खुद मिलि लिअ...एतेक कहि ओ तान्या के हमरा पास छोड़ि दोसर लोक सभ सं मिलए-जुलए लगलीह. तान्या! अहा कि कहल जाए. हम देखतहि रहि गेलहुं. जेना कोनो फिल्मी हीरोईन... जेना कोनो स्वर्गक अप्सरा साक्षात हमरा आगां ठाड़ होतहि. सुन्दरता के जतेक प्रसंशा कएल जाए कम होएत... गोर खिलल-खिलल चेहरा... एकटा अलगे लालिमा लेने... जेना दूध मे सिंदूर मिला द...

बिहार चुनाव अधिसूचना सोमवार के...

बिहार मे होए वाला विधानसभा चुनाव के पहिल चरण के लेल सोमदिन 27 सितंबर के अधिसूचना जारी करि देल जाएत. कहि सकय छी जे राज्यपाल के अधिसूचना के संग चुनावक विधिवत शुरूआत भ जाएत. राज्य मे 243 सीट के लेल छह चरण मे मतदान होए के अछि. बिहार मे वोटिंग 21 अक्तूबर के शुरू होएत आओर 20 नवंबर के आखिरी छठम चरण के वोट पड़त. एहि चुनाव मे बिहारक करीब साढ़े पांच करोड़ वोटर अपन मताधिकार के इस्तेमाल करताह. मतगणना 24 नवबंर के होएत. एहि लेल चुनाव आयोगक तैयारी पूरा अछि. पहिल चरण मे 47 सीट के लेल 21 अक्तूबर के वोट डालल जाएत. दोसर चरण मे 45 सीट के लेल 24 अक्तूबर...तेसर मे 28 अक्तूबर के 48 सीट लेल जखन कि एक नवंबर के चारिम चरण मे 42 सीट...9 नवंबर के 25 सीट आओर 20 नवंबर के 26 सीट पर वोट पड़त. एहि बेर कहि सकय छी मुख्य मुकाबला बीजेपी-जेडीयू गठबंधन आओर आरजेडी-एलजेपी गठबंधन के बीच अछि. ओना कांग्रेस सेहो एहि बेर सभ सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ करि रहल अछि. मुदा कांग्रेस के खास असर नहि रहत. कांग्रेस एहि बेर बस अपन जनाधार बढ़ाबय लेल उतरि रहल अछि. कांग्रेस के लक्ष्य अगिला चुनाल अछि. ओना राहुल गांधी आओर दोसर केंद्रीय नेता सभ ...

ब्रांड एंबेसडर शारदा सिन्हा !

खबर अछि जे बिहारक प्रसिद्ध गायिका शारदा सिन्हाजी चुनाव आयोगक ब्रांड एंबेसडर चुनल गेलीह. शारदा सिन्हा जी एहि बेर चुनाव मे लोक सं अपन वोट जरूर डालय के अपील करतीह. पद्मश्री शारदा सिन्हा जी चुनाव मे लोक के मतदान के प्रति जागरूक करतीह. आयोग के ई नीक पहल कहल जा सकैत अछि. बिहार कोकिला शारदा सिन्हा जी आब आयोग के तरफ सं बनय वाला किछ विज्ञापन के माध्यम सं वोटर के अपन वोट डालय लेल अपील करतीह. वोटर के हुनकर एक वोट के महत्व समझएतीह. भ सकैत अछि चुनाव सं जुड़ल किछ गाना सेहो गएतीह आ एक- दू ठाम लोक सं मिलबो करतीह. एहि सं पहिने पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम... फिल्म अभिनेता आमिर खान आओर क्रिकेटर सचिन तेंदुलकर के नाम सेहो सामने आएल छल. ई साफ नहि भेल अछि जे सिर्फ शारदा सिन्हा जी वोटर के जागरूक करतीह आ दोसरो हस्ती सभ सेहो. ई एक-दू दिन मे साफ होएत. आयोग के माननाए अछि जे एहि सं बेसि लोक वोट करय निकलताह. पद्मश्री शारदा जी बिहारक सभ सं लोकप्रिय गायिका छथीह. हिनकर मैथिली... भोजपुरी... बज्जिका आओर हिन्दी मे गाएल गीत खुब हिट रहल छनि. बिहारक पारंपरिक लोकगीत...विवाह गीत.. छठि मइया के गीत के अहां बिना हिनकर ...

लालू जीक तेजस्वी लांच...

आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी अपन पुत्र तेजस्वी के राजनीति मे लांच करि देलखिन्ह. अहां कहि सकय छी जे एहि सं राजनीति मे एकटा आओर नेतापुत्र के पदार्पण भेल अछि. आब तेजस्वी एहि बेरक विधानसभा चुनाव मे जमि क प्रचार करताह. लालूजीक हर अंदाज निराला रहय छनि. अपन क्रिकेटर पुत्र तेजस्वी के बारे मे लालूजी कहलखिन्ह जे अखन ई पॉलिटिक्स मे ट्रेनी अछि... चुनाव प्रचार मे शामिल भ राजनीति के एबीसी सीखताह. चुनाव लड़य के सवाल पर लालूजी कहलखिन्ह जे अखन तेजस्वी के चुनाव लड़य के उम्र नहि भेलन्हि. अखन कम उम्र के छथिन्ह. जखन उम्र भ जएतन्हि... शादी-विवाह लायक भ जएताह त चुनाव लड़ताह. तेजस्वी एहि बेरक चुनाव अभियान मे आरजेडी आओर एलजेपी लेल प्रचार करताह. लालूजी तेजस्वी सं बिहारक युवा वर्ग के अपना दिस आकर्षित करय चाहय छथिन्ह. हुनका उम्मीद छनि तेजस्वी के कारण युवा सभ पार्टी सं जुड़ताह. तेजस्वी के क्रिकेट सं विशेष लगाव छनि. ओ आईपीएल के दिल्ली डेयरडेविल्स टीम मे शामिल छथिन्ह आओर रणजी ट्रॉफी केर खेल छोड़ि क चुनाव प्रचार मे जुटलाह. आब देखल जाए हिनका सं लालू जीके कतेक फायदा मिलय छनि? Planning to marry? Register at Shaadi....

आब मैथिली मे गीता...

रामायण के बाद आब गीता सेहो मैथिली मे आबि गेल अछि. मैथिली मे ई नवका गीता लिखलखिन्ह मधुबनी जिला के रुद्रकांत पाठक जी. रुद्रकांत जी रहिका ब्लॉक के सतलखा पाठकटोल सं छथिन्ह. पाठक टी रिटायर टीचर छथिन्ह. हिनकर गीता केर नाम छनि 'रद्रांशकृत वचनामृत गीता' रुद्रकांत जी गीता के श्लोक के पहिने मैथिली मे पद्य के रूप मे अनुवाद कएलखिन्ह फेर ओकर भाव के अनुवाद करि ओकरा आम लोक के लेल आसान बना देलखिन्ह. सभ सं अचरज के गप ई जे ओ एहि गीता के अनुवाद सिर्फ डेढ़ मास मे कएलखिन्ह. जखन कि गीता के 18 अध्याय मे कुल 705 श्लोक अछि. हिनकर अनुवाद कएल गीता आम लोक के आसानी सं समझ मे आबि सकैत अछि. मैथिली के लेल ई एकटा नीक खबर अछि. एहि सं मैथिली साहित्य आओर समृद्ध होएत आओर लोक के रुझान सेहो बढ़त. हुनका सं प्रेरणा ल आओर लोक एहि क्षेत्र मे काज करय लेल आगां अएताह आओर नव-नव किताबक... ग्रंथक अनुवाद करताह. मुदा सभसं पैघ जरूरत अछि मैथिली साहित्य के आम लोक तक पहुंचाबय के. अखन धरि ई आम लोक के पहुंत सं दूर अछि. दिल्ली...पटना केर त गप छोडुं दरभंगा...मधुबनी तक मे मैथिलीक पोथी...किताब खरीदय लेल लोक के भारी परेशानी उठाबय पड़य छनि...

अयोध्या पर फैसला टलल

अयोध्या मामला पर 24 सितंबर के आबय वाला फैसला पर सुप्रीम कोर्ट एक हफ्ता के लेल रोक लगा देलक अछि. सुप्रीम कोर्ट के फैसला के कारण आब काल्हि इलाहाबाद हाई कोर्ट के लखनऊ खंडपीठ सं आबय वाला फैसला नहि आएत. आब सुप्रीम कोर्ट मे एहि बारे मे 28 सितंबर के सुनवाई होएत ओकर बाद किछ तय कएल जाएत. सुप्रीम कोर्ट ओना एहि मामला पर आम सहमति सं हल निकालय लेल सभ पक्ष के नोटिस जारी करलक अछि.अगर बातचीत सं कोनो समाधान निकलैत अछि त एहि सं नीक आओर कि भ सकैत अछि. अयोध्या मामला के एक हफ्ता टालय के फैसला रमेश चंद्र त्रिपाठी के याचिका पर आएल अछि. जेहि मे त्रिपाठी जी 24 सितंबर के आबय वाला फैसला के रोकय के अपील कएने छलखिन्ह. एहि सं पहिने इलाहाबाद हाईकोर्ट हिनकर याचिका के खारिज करि हिनका पर 50 हजार रुपया के जुर्माना लगा देने छल. अयोध्या के विवादित जमीन पर मालिकाना हक के मु्द्दा पर 60 साल पुरान केस पर इलाहाबाद हाई कोर्ट के फैसला आबय के छल. 24 सितंबर के आबय वाला एहि फैसला के नजर मे राखि देश भर मे एहतियात तौर पर सुरक्षा सख्त करि देल गेल छल. आबय वाला दिन मे दिल्ली मे कॉमनवेल्थ गेम्स होए वाला अछि आओर बिहार मे विधानसभा चुना...

कलाम जीक अगुआई मे जागरूकता अभियान !

बिहार मे पूर्व राष्ट्रपति एपीजी अब्दुल कलाम के अगुआई मे चुनाव जागरूकता अभियान चलाएल जा सकैत अछि. मतदाता जागरूकता अभियान के लेल चुनाव आयोग हिनका अपन ब्रांड एंबैसडर बना सकैत अछि. चुनाव आयोग के नजर एहि लेल कइटा प्रमुख व्यक्ति पर छनि. असल मे बिहार मे मतदान कम होए के कारण चुनाव आयोग किछ बड़का हस्ती सभ सं अपील करबाबय चाहैत अछि. आयोग के उम्मीद अछि जे लोक पर एकर नीक असर पड़त. बीत-बीच मे त इहो खबर आएल जे सचिन तेंदुलकर आओर आमिर खान मतदाता सं वोट देबय लेल आगा आबय के अपील करथिन्ह. आमिर खान विज्ञापन के जरिए सेहो लोक सं अपन वोट जरूर डालय के अपील करथिन्ह. एकरे संग चुनाव आयोग एहि बेर सभ जिला मे अपन जागरूकता अभियान सेहो शुरू करत. किछ ठाम त ई अभियान शुरू सेहो भ चुकल अछि. पिछला दिन समस्तीपुर मे आयोग के अभियान शुरू भेल. एहि अभियान मे लोक के नुक्कड़ नाटक...छोट-मोट फिल्म...गाना के माध्यम सं मताधिकारक इस्तेमाल करय के बारे मे बताएल जाएत अछि. लोक के ई समझाबय के कोशिश कएल जाएत अछि जे अहांक एकटा वोट कतेक महत्व राखैत अछि. मतदाता जागरूकता अभियान मे आयोग के एनजीओ आओर स्थानीय मीडिया के सेहो सहयोग मिल रहल अछि. प...

मोबाइल पर मैसेज

मोबाइल पर आई आएल एकटा मैसेज अपना मे बड़ नीक संदेश लेने अछि. ई मैसेज 24 तारीख के अयोध्या मामले पर आबय वाला फैसला पर लsक अछि. ओना एहि पर एक्शनएड के एकटा विज्ञापन अभियान सेहो चलैत अछि. हम चाहब जे अहां सभ सेहो एहि मैसेज के पढ़ि. उम्मीद अछि अहां के सेहो नीक लागत Who r we? Hindu or Muslim? When there 's 'Ali' in Diw ALI & 'Ram' in RAM zan. Help INDIA in being UNITED ! Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial   हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

पाला बदलनाए शुरू...

बिहार मे चुनावक दिन जेना-जेना लग आएल जा रहल अछि...नेता सभक पाला बदलए के क्रम तेज भेल जा रहल अछि. ओना त चुनाव सं पहिने नेता सभ के पार्टी बदलनाए कोनो नव गप नहि अछि. मुदा एहि बेर ई किछ बेसिए भ रहल अछि. भोर मे सुनब जे फलां ओहि पार्टी मे शामिल भेलाह त सांझ मे फलां ओहि पार्टी मे. एहि मे पैघ नेताजी सभ सेहो शामिल छथिन्ह. ई हाल कोनो एकटा पार्टी के नहि अछि. सभ पार्टी मे नेताजी के आबए-जाए के सिलसिला लागल अछि. बीजेपी होए...जेडीयू होए... कांग्रेस होए आ एलजेपी. नेताजी एम्हर -ओम्हर होए मे लागल छथिन्ह. सभ टिकट के खेल अछि. जिनका लागए छनि एहि पार्टी मे टिकट नहि मिलत ओ झट द दोसर पार्टी के दामन थामि लए छथिन्ह. किछ नेताजी के सिर्फ अपने चिंता नहि छनि. ओ अपन कार्यकर्ता सभ के सेहो ध्यान राखय छथिन्ह. हुनका जखन ई लगय छनि जे पार्टी मे हुनकर बताएल गेल कार्यकर्ता सभ के टिकट नहि मिलय के गुंजाइश अछि त ओ अपन सभ कार्यकर्ता के संग दोसर पार्टी मे शामिल भ जा रहल छथिन्ह. दोसर पार्टी मे हुनका सभ के दिल खोलि क स्वागत भ रहल छनि. एहि सं जतय एक पार्टी के झटला लगैत अछि दोसर मे खुशी के माहौल होएत अछि जे हम हुनकर एतेक पैघ नेता...

गूगल के चाही सॉफ्टवेयर इंजीनियर

गूगल के बंगलुरू आओर हैदराबाद के लेल सॉफ्टवेयर इंजीनियर के जरूरत अछि. गूगल के नजर देश के किछ नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर पर अछि. गूगल एकरा लेल कतेक गंभीर अछि एकर अनुमान अहां एहि सं लगा सकय छी जे गूगल नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर के नाम बताबय वाला लोक के एक लाख रुपया इनाम देबय तक तैयार अछि. एहि के लेल गूगल एक्सटर्नल रेफरेंस कार्यक्रम चला रहल अछि. एहि कार्यक्रम के अनुसार अगर अहां गूगल के कोनो नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर के नाम बताबए छी... सुझाब देत छी...आओर अहांक ओहि रेफरेंस पर अगर ओहि सॉफ्टवेयर इंजीनियर के नौकरी मिल जाएत अछि त अहां के एक लाख रुपया के इनाम मिलत. ई इनाम नैकरी मिलला पर मिलत ओना नहि. प्रतिभा जुटाबय लेल गूगल के ई नीक कोशिश अछि. एहि सं गूगल के पास काफी प्रस्ताव पहुंचय के उम्मीद कएल जा रहल अछि. भारत मे नीक सॉफ्टवेयर इंजीनियर के कोनो कमी नहि अछि. बस अहां सभ ओहि नीक इंजीनियर के नाम गूगल के पास भेजय के कोशिश करिऔ. आओर हां एकर आखिरी तारीख 15 अक्तूबर अछि. कोशिश करु जे 15 अक्तूबर से पहिने नाम पहुंच जाए. अहांक नजर मे जतेक अनुभवी...नव-नव प्रयोग करय वाला...प्रतिभावान सॉफ्टवेयर इंजीनियर छथिन्ह... ह...

हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया

हम नै ई दुनियाँ कहैया हमरा राज्य में ई सब भेल , फल्ला के राज्य में कि सब भेल फूसी - फटक सब नेता बजैया , इलेक्शन बाद फेर के पुझैया हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया गाम - गाम में मुखिया सरपंच , एक दोसरक सब खाइया अंस ग्राम विकासक काज कहैया , अपन रोजी- रोटी के मार्ग बनबैया, हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया बढिक दाही रौदिक अकाली , घर- खसि ई सब लोग कहैया एसडियो -बीडीओ सब के लेखा - जोखा , भगवती से सद्दा ईहा मनबैया हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया हॉस्पिटल चकर सब दिन लगैया , बिमारी सबहक खान भेटैया डाक्टर सब नै नजैर परैया , अपन किल्निक सदीखन बैसैया हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया तिलक द्हेजक जखन बात चलैया , लाख डेढ़ लाख से कम नै कहैया अपना पर जखन विपैत परैया , बापरे - बाप कहिय दूर भगैया हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया साधू – संत के जो बात चलैया , लोक -लाज से भीन्ने मरैया आसन लगा सब भाषण करैया , अपन पेट लेल खुद्ये मरैया हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया चिठ्ठी - पत्री के आब पढ़ेया , हेंड सेट से फुर्सत नै भेटैया खन दरिभंगा , खन मधुबनी , अपना में सब लोक बजैया हम नै ---- ई दुनियाँ कहैया हाय - हेलो सब लोग बजैया , छोरी - छोरा ...

कोन मुद्दा रहत छाएल ?

बिहार मे चुनाव होए वाला अछि. सभ पार्टी के नेता सभ चुनावक तैयारी मे लागल छथिन्ह. चुनाव जीतए के लेल जतेक चीज अजमाबय के जरूरत होएत अछि अजमाएल जा रहल अछि. कोनो चीज छोड़य नहि चाहए छथिन्ह. नेता सभ के कहनाय छनि के एहि बेर विकासक मुद्दा छाएल रहत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के कारण बिहार मे विकास एकटा प्रमुख मुद्दा बनि गेल अछि. कांग्रेस नेता राहुल गांधी सेहो विकासे के बात करि रहल छथिन्ह. आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जी आओर एलजेपी प्रमुख रामविलास पासवान जी सेहो एहि बेर जाति के बात छोड़ि विकासक गप करि रहल छथिन्ह. एतबे नहि आओर दोसर पार्टी सभ सेहो विकासक गप जोर-शोर सं क रहल छथिन्ह. मुदा कि अहां के लगैत अछि जे विकास प्रमुख मुद्दा अछि बिहार मे ? कि बिहारक राजनीति मे जाति के मुद्दा हाशिया पर चलि गेल अछि ? कि एहि बेर के चुनाव मे दोसर कोनो आओर मुद्दा नहि उठत? चुनाव सं किछ दिन पहिने बिल जमा नहि करय के मुद्दा उठल छल. आओर जेना-जेना चुनाव करीब आएल जाएत नवका-नवका मामला सामने आएल जाएत. लालू-पासवान जी सेहो किछ नहि किछ मामला जरूर राखने होताह चुनाव के लेल. सभ बेर होएत अछि जे चुनाव लग अएला के संग नेता सभ के ख...