नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कलाम जीक अगुआई मे जागरूकता अभियान !

बिहार मे पूर्व राष्ट्रपति एपीजी अब्दुल कलाम के अगुआई मे चुनाव जागरूकता अभियान चलाएल जा सकैत अछि. मतदाता जागरूकता अभियान के लेल चुनाव आयोग हिनका अपन ब्रांड एंबैसडर बना सकैत अछि.

चुनाव आयोग के नजर एहि लेल कइटा प्रमुख व्यक्ति पर छनि. असल मे बिहार मे मतदान कम होए के कारण चुनाव आयोग किछ बड़का हस्ती सभ सं अपील करबाबय चाहैत अछि. आयोग के उम्मीद अछि जे लोक पर एकर नीक असर पड़त.

बीत-बीच मे त इहो खबर आएल जे सचिन तेंदुलकर आओर आमिर खान मतदाता सं वोट देबय लेल आगा आबय के अपील करथिन्ह. आमिर खान विज्ञापन के जरिए सेहो लोक सं अपन वोट जरूर डालय के अपील करथिन्ह.

एकरे संग चुनाव आयोग एहि बेर सभ जिला मे अपन जागरूकता अभियान सेहो शुरू करत. किछ ठाम त ई अभियान शुरू सेहो भ चुकल अछि. पिछला दिन समस्तीपुर मे आयोग के अभियान शुरू भेल.

एहि अभियान मे लोक के नुक्कड़ नाटक...छोट-मोट फिल्म...गाना के माध्यम सं मताधिकारक इस्तेमाल करय के बारे मे बताएल जाएत अछि. लोक के ई समझाबय के कोशिश कएल जाएत अछि जे अहांक एकटा वोट कतेक महत्व राखैत अछि.

मतदाता जागरूकता अभियान मे आयोग के एनजीओ आओर स्थानीय मीडिया के सेहो सहयोग मिल रहल अछि. पिछला लोस सभा चुनाव मे सेहो स्थानीय मीडिया बढ़ि-चढ़ि क जागरूकता अभियान चलौने छल.

उम्मीद अछि जे आयोग आओर दोसर लोक के तरफ सं चलाएल जा रहल एहि अभियान के व्यापक असर पड़त आओर बेसि सं बेसि लोक वोट देबय लेल घर सं बाहर निकलथिन्ह आओर अपन मताधिकार के उपयोग करताह.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु