Skip to main content

पाला बदलनाए शुरू...

बिहार मे चुनावक दिन जेना-जेना लग आएल जा रहल अछि...नेता सभक पाला बदलए के क्रम तेज भेल जा रहल अछि. ओना त चुनाव सं पहिने नेता सभ के पार्टी बदलनाए कोनो नव गप नहि अछि. मुदा एहि बेर ई किछ बेसिए भ रहल अछि. भोर मे सुनब जे फलां ओहि पार्टी मे शामिल भेलाह त सांझ मे फलां ओहि पार्टी मे. एहि मे पैघ नेताजी सभ सेहो शामिल छथिन्ह.

ई हाल कोनो एकटा पार्टी के नहि अछि. सभ पार्टी मे नेताजी के आबए-जाए के सिलसिला लागल अछि. बीजेपी होए...जेडीयू होए... कांग्रेस होए आ एलजेपी. नेताजी एम्हर -ओम्हर होए मे लागल छथिन्ह. सभ टिकट के खेल अछि. जिनका लागए छनि एहि पार्टी मे टिकट नहि मिलत ओ झट द दोसर पार्टी के दामन थामि लए छथिन्ह.

किछ नेताजी के सिर्फ अपने चिंता नहि छनि. ओ अपन कार्यकर्ता सभ के सेहो ध्यान राखय छथिन्ह. हुनका जखन ई लगय छनि जे पार्टी मे हुनकर बताएल गेल कार्यकर्ता सभ के टिकट नहि मिलय के गुंजाइश अछि त ओ अपन सभ कार्यकर्ता के संग दोसर पार्टी मे शामिल भ जा रहल छथिन्ह. दोसर पार्टी मे हुनका सभ के दिल खोलि क स्वागत भ रहल छनि.

एहि सं जतय एक पार्टी के झटला लगैत अछि दोसर मे खुशी के माहौल होएत अछि जे हम हुनकर एतेक पैघ नेता के... एतेक कार्यकर्ता को तोड़ि लेलहुं. मुदा एहि सं पार्टी मे किछ असंतोष सेहो उमड़ैत अछि. पार्टी के किछ नेता चुनाव के समय दोसर पार्टी के नेता सभ के आबय सं खिसिआ सेहो जाए छथिन्ह... किएक त हुनका अएला स पार्टी के पुरान कार्यकर्ता के टिकट कटि जाए छनि.

पार्टी के कट्टर कार्यकर्ता...पार्टी के मूल कार्यकर्ता सभ दिन सं पार्टी के लेल दिन-राति एक कएने रहय छथिन्ह...एहि इंतजार मे कि चुनाव अएला पर टिकट मिलत. मुदा ऐन चुनाव के टाइम मे पार्टी के विरोधी नेता पार्टी मे शामिल भ जाएत अछि आओर पुरान... असल कार्यकर्ता के टिकट कटि जाए छनि. एहि सं किछ नाराजगी सेहो बढ़ैत अछि.

पिछला दिन लालू प्रसाद यादव जी के छोटका साला सुभाष यादव सेहो साधु यादव जकां काग्रेस मे शामिल भ गेलखिन्ह. एहि सं पहिने आरजेडी के अखिलेश प्रसाद सिंह सेहो कांग्रेस मे चलि गेल छलखिन्ह. जखन कि तस्लीमुद्दीन जेडीयू मे शामिल भ गेलाह. ओम्हर जेडीयू के प्रभुनाथ सिंह लालू जीके संग भ गेलाह. नागमणि जी अपन पत्नी के संग जेडीयू सं कांग्रेस मे चलि गेलाह.

नीतीश जीक दाहिना हाथ मानल जाए वाला राजीव रंजन सिंह उर्फ लल्लन सिंह ओना पार्टी नहि छोड़लखिन्ह मुदा नीतीश जीक खिलाफ अभियान चलौने छथिन्ह. हिनके जकां नीतीश जीक पूर्व आबकारी मंत्री सेहो खिलाफ जा चुकल छथिन्ह. सभ अपन सुविधा के ध्यान राखि पार्टी के चुनाव करि रहल छथिन्ह आ पाला बदलि रहल छथिन्ह.

पाला बदलय के एहि क्रम मे टिकट तय भ गेलाह के बाद आओर तेजी आबि सकैत अछि. जे नेता टिकट के आस लगौने छथिन्ह आओर हुनका अगर टिकट नहि मिलय छनि त ओ टिकट लेल दोसर पार्टी मे जा सकय छथिन्ह आ फेर स्वतंत्र उम्मीदवार के रूप मे पर्चा भरि पार्टी के नुकसान पहुंचा सकय छथिन्ह... झटका द सकय छथिन्ह.

पार्टी बदलय के एहि खेल मे सभ सं बेसि नेता कांग्रेस के तरफ जा रहल छथिन्ह. किए त कांग्रेस एहि सं पहिने लालू राज के समय सं तालमेल सं लड़ैत छल. किछ सीट पर कांग्रेस के उम्मीदवार ठाड़ होएत छल. एहि सं कांग्रेस के अपन कैडर बिखरल अछि. एहन मे दोसर पार्टी के कनिओ पैघ नेता पार्टी मे शामिल भ जाए छथिन्ह त हुनकर टिकट के चांस बढ़ि जाए छनि.
जे होए जेना-जेना टिकट के मामला फरछिआएल जाएत. झंडा बदलय के खेल जारी रहत. किनको फायदा होएतन्हि त किनको नुकसान. किएक त ओ सभ दिन सं पार्टी के लेल एकटा वोटबैंक... कैडर तैयार कएने रहय छथिन्ह... एहन मे ऐन टाइन पर पाला बदलय सं वोटर हुनका केना लए छथिन्ह ई त वोट पड़ला के बादहि पता चलत. तखन धरि खेल देखैत रहुं.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर