बिहार चुनाव अधिसूचना सोमवार के...

बिहार मे होए वाला विधानसभा चुनाव के पहिल चरण के लेल सोमदिन 27 सितंबर के अधिसूचना जारी करि देल जाएत. कहि सकय छी जे राज्यपाल के अधिसूचना के संग चुनावक विधिवत शुरूआत भ जाएत. राज्य मे 243 सीट के लेल छह चरण मे मतदान होए के अछि.

बिहार मे वोटिंग 21 अक्तूबर के शुरू होएत आओर 20 नवंबर के आखिरी छठम चरण के वोट पड़त. एहि चुनाव मे बिहारक करीब साढ़े पांच करोड़ वोटर अपन मताधिकार के इस्तेमाल करताह. मतगणना 24 नवबंर के होएत. एहि लेल चुनाव आयोगक तैयारी पूरा अछि.

पहिल चरण मे 47 सीट के लेल 21 अक्तूबर के वोट डालल जाएत. दोसर चरण मे 45 सीट के लेल 24 अक्तूबर...तेसर मे 28 अक्तूबर के 48 सीट लेल जखन कि एक नवंबर के चारिम चरण मे 42 सीट...9 नवंबर के 25 सीट आओर 20 नवंबर के 26 सीट पर वोट पड़त.
एहि बेर कहि सकय छी मुख्य मुकाबला बीजेपी-जेडीयू गठबंधन आओर आरजेडी-एलजेपी गठबंधन के बीच अछि. ओना कांग्रेस सेहो एहि बेर सभ सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ करि रहल अछि. मुदा कांग्रेस के खास असर नहि रहत.

कांग्रेस एहि बेर बस अपन जनाधार बढ़ाबय लेल उतरि रहल अछि. कांग्रेस के लक्ष्य अगिला चुनाल अछि. ओना राहुल गांधी आओर दोसर केंद्रीय नेता सभ के बिहार दौरा के कारण पार्टीक चुनाव अभियान रोमांचक रहत.

एहि बेरक चुनाव मे मुख्यमंत्री पद के दूनु उम्मीदवार नीतीश कुमार आओर लालू प्रसाद यादव जी ठाड़ नहि भ रहल छथिन्ह. दूनु अपन बेसि समय चुनाव प्रचार पर देताह. जे जीतताह हुनकर सहयोगी पार्टी के नेता उप मुख्यमंत्री बनताह.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अलग मिथिला राज्य केर मांग भेल तेज, देखु जंतर-मंतर प्रदर्शन केर फोटो

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा