अयोध्या पर फैसला टलल

अयोध्या मामला पर 24 सितंबर के आबय वाला फैसला पर सुप्रीम कोर्ट एक हफ्ता के लेल रोक लगा देलक अछि. सुप्रीम कोर्ट के फैसला के कारण आब काल्हि इलाहाबाद हाई कोर्ट के लखनऊ खंडपीठ सं आबय वाला फैसला नहि आएत.

आब सुप्रीम कोर्ट मे एहि बारे मे 28 सितंबर के सुनवाई होएत ओकर बाद किछ तय कएल जाएत. सुप्रीम कोर्ट ओना एहि मामला पर आम सहमति सं हल निकालय लेल सभ पक्ष के नोटिस जारी करलक अछि.अगर बातचीत सं कोनो समाधान निकलैत अछि त एहि सं नीक आओर कि भ सकैत अछि.
अयोध्या मामला के एक हफ्ता टालय के फैसला रमेश चंद्र त्रिपाठी के याचिका पर आएल अछि. जेहि मे त्रिपाठी जी 24 सितंबर के आबय वाला फैसला के रोकय के अपील कएने छलखिन्ह. एहि सं पहिने इलाहाबाद हाईकोर्ट हिनकर याचिका के खारिज करि हिनका पर 50 हजार रुपया के जुर्माना लगा देने छल.

अयोध्या के विवादित जमीन पर मालिकाना हक के मु्द्दा पर 60 साल पुरान केस पर इलाहाबाद हाई कोर्ट के फैसला आबय के छल. 24 सितंबर के आबय वाला एहि फैसला के नजर मे राखि देश भर मे एहतियात तौर पर सुरक्षा सख्त करि देल गेल छल.

आबय वाला दिन मे दिल्ली मे कॉमनवेल्थ गेम्स होए वाला अछि आओर बिहार मे विधानसभा चुनाव सेहो. एहि के लsक याचिका मे कहल गेल छल कि इलाहाबाद हाईकोर्ट के फैसला के बाद देश मे तनाव के स्थिति पैदा भ सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

Photos: बिहार महोत्सव दिल्ली पार्ट 2

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा