नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

कॉमनवेल्थ गेम्स बिहार मे होएत तखन?

कॉमनवेल्थ गेम्स के लsक रोज किछ नहि किछ निकलि रहल अछि. तरह-तरह के गप भs रहल अछि. घोटाला... समय पर पूरा नहि भेनाय... दिल्ली मे जाम... पानि जमा होए सं डेंगू आ दोसर बीमारी... दोसर विभाग के फंड सभ के एहि मे ट्रांसफर करि देनाय...कम पाई के चीज के बेसि दाम पर किराया पर लेनाय... ढेला के दाम वाला चीज सोना के दाम पर खरीदनाय...आओर नहि जाने कतेक चीज के चर्चा भ रहल अछि.

मुदा एहि के लsक जतेक गंभीरता सं बात उठएबाक चाही ओतेक गंभीरता सं उछाएल नहि जा रहल अछि. केंद्र आओर दिल्ली दूनु ठाम कांग्रेसक सरकार अछि. सुरेश कलमाड़ी सेहो कांग्रेसी नेता छथिन्ह. एहन मे दिल्ली सरकार केंद्र सरकार पर ...केंद्र सरकार सुरेश कलमाड़ी पर ... कलमाड़ी जी खेल मंत्रालय पर ठीकरा फोड़ि लोक के उलझाबय चाहय छथिन्ह. जखन कि सभ एकहि अछि.

देश के गौरव के मामला बता सभ मलाई खाय चाहय छथिन्ह. टाट पर मखमल के पैबंद लगा दुनिया के चकमक दिखाबय चाहय छथिन्ह. जतेक खर्च एहि पर भ रहल अछि ओतेक मे देश भर के प्राइमरी स्कूल के आ फेर प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के हाल दुरुस्त भ गेल रहत. मुदा ओहि के लेल पाई नहि अछि. एकरा कि कहल जाए?

हम एकर विरोध मे नहि छी मुदा जेहि हिसाब सं खर्च भ रहल अछि... खर्च के टारगेट बढ़ि रहल अछि ओ किछ आओर कहैत अछि. आओर फेर ई सभ दिल्ली... कोलकाता... चेन्नई... मुम्बई... बंगलुरु आओर हैदराबाद मे किएक?... जतेक खर्च एहिठाम भ रहल अछि ओतेक मे दोसर ठाम एकटा दोसर शहर जकां बैसि गेल रहैत.
दिल्ली कॉमनवेल्थ गेम्स पर जतेक खर्च भ रहल अछि ओतेक मे पटना... लखनऊ... रांची... भोपाल... रायपुर जकां शहर के कायाकल्प भ गेल रहैत. सभ किछ एहि चारि-पांच शहर मे होएत तं लोक एहिठामक विकास देखि एतहिं अएताह... भीड़ बढ़त. फेर शीला दीक्षित... राज ठाकरे जकां लोक बिहारी-यूपी वाला के दोषी ठहरयथिन्ह.

सोचिऔ अगर ई कॉमनवेल्थ गेम्स बिहार... पटना मे भेल रहैत त कतेक विकास भेल रहैत... कतैक इंफ्रास्ट्रक्चर तैयार कएल गेल रहैत. कतेक लोक के रोजगार मिलल रहैत. दिल्ली जकां एकटा आओर शहर तैयार भेल रहैत. जवाहरलाल नेहरु स्टेडियम आओर दोसर स्टेडियम मे फेर सं सजावय- संवारय पर जतेक खर्च भेल ओतेक मे कइटा नवका स्टेडियम बनि गेल रहैत.

मुदा ऐना नहि होएत. अगर बिहार मे कॉमनवेल्थ गेम्स भेल रहैत आओर जेहि हिसाब सं बिहार मे नीतीश जीक सरकार छनि. कांग्रेस आओर दोसर पार्टी ई पूरा मामला पर अन्होर नचा देने रहैत. एक पाई के हेराफेरी भेला पर हंगामा मचा देने रहैत. मुदा अखन तं सभ लोक के बहका रहल अछि. अहां सोचिऔ दिल्ली मे भ रहल अछि ताहि मे... आओर बिहार मे भेल रहैत ओहि मे दिल्ली सरकार... यूपीए सरकार... खेल मंत्रालय... कलमाड़ी जीक कि हाल होएतिएन्हि ? कि रुख रहतन्हि तखन? राज ठाकरे जका नेता सभ कतेक हो-हल्ला करने रहैत? अहांक विचार... राय के इंतजार मे... अपन विचार जरूर बताएब.
JOIN ME:
Facebook:
LinkedIn:
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

3 टिप्‍पणियां:

  1. "bihar me agar cwg hota to...hindustan delhi me lootane se bachh jata...bihar me ess tarah ki loot ki umeed nahi ki ja sakti...yaha to chor chor mausere bhai bali kahavat chartarth ho rahi...central govt. aur delhi govt...dono milkar loot ka khel khel rahi hai...badhiya praposal hai ....???"

    Alok Punj

    Darbhanga

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु