Skip to main content

कॉमनवेल्थ गेम्स बिहार मे होएत तखन?

कॉमनवेल्थ गेम्स के लsक रोज किछ नहि किछ निकलि रहल अछि. तरह-तरह के गप भs रहल अछि. घोटाला... समय पर पूरा नहि भेनाय... दिल्ली मे जाम... पानि जमा होए सं डेंगू आ दोसर बीमारी... दोसर विभाग के फंड सभ के एहि मे ट्रांसफर करि देनाय...कम पाई के चीज के बेसि दाम पर किराया पर लेनाय... ढेला के दाम वाला चीज सोना के दाम पर खरीदनाय...आओर नहि जाने कतेक चीज के चर्चा भ रहल अछि.

मुदा एहि के लsक जतेक गंभीरता सं बात उठएबाक चाही ओतेक गंभीरता सं उछाएल नहि जा रहल अछि. केंद्र आओर दिल्ली दूनु ठाम कांग्रेसक सरकार अछि. सुरेश कलमाड़ी सेहो कांग्रेसी नेता छथिन्ह. एहन मे दिल्ली सरकार केंद्र सरकार पर ...केंद्र सरकार सुरेश कलमाड़ी पर ... कलमाड़ी जी खेल मंत्रालय पर ठीकरा फोड़ि लोक के उलझाबय चाहय छथिन्ह. जखन कि सभ एकहि अछि.

देश के गौरव के मामला बता सभ मलाई खाय चाहय छथिन्ह. टाट पर मखमल के पैबंद लगा दुनिया के चकमक दिखाबय चाहय छथिन्ह. जतेक खर्च एहि पर भ रहल अछि ओतेक मे देश भर के प्राइमरी स्कूल के आ फेर प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के हाल दुरुस्त भ गेल रहत. मुदा ओहि के लेल पाई नहि अछि. एकरा कि कहल जाए?

हम एकर विरोध मे नहि छी मुदा जेहि हिसाब सं खर्च भ रहल अछि... खर्च के टारगेट बढ़ि रहल अछि ओ किछ आओर कहैत अछि. आओर फेर ई सभ दिल्ली... कोलकाता... चेन्नई... मुम्बई... बंगलुरु आओर हैदराबाद मे किएक?... जतेक खर्च एहिठाम भ रहल अछि ओतेक मे दोसर ठाम एकटा दोसर शहर जकां बैसि गेल रहैत.
दिल्ली कॉमनवेल्थ गेम्स पर जतेक खर्च भ रहल अछि ओतेक मे पटना... लखनऊ... रांची... भोपाल... रायपुर जकां शहर के कायाकल्प भ गेल रहैत. सभ किछ एहि चारि-पांच शहर मे होएत तं लोक एहिठामक विकास देखि एतहिं अएताह... भीड़ बढ़त. फेर शीला दीक्षित... राज ठाकरे जकां लोक बिहारी-यूपी वाला के दोषी ठहरयथिन्ह.

सोचिऔ अगर ई कॉमनवेल्थ गेम्स बिहार... पटना मे भेल रहैत त कतेक विकास भेल रहैत... कतैक इंफ्रास्ट्रक्चर तैयार कएल गेल रहैत. कतेक लोक के रोजगार मिलल रहैत. दिल्ली जकां एकटा आओर शहर तैयार भेल रहैत. जवाहरलाल नेहरु स्टेडियम आओर दोसर स्टेडियम मे फेर सं सजावय- संवारय पर जतेक खर्च भेल ओतेक मे कइटा नवका स्टेडियम बनि गेल रहैत.

मुदा ऐना नहि होएत. अगर बिहार मे कॉमनवेल्थ गेम्स भेल रहैत आओर जेहि हिसाब सं बिहार मे नीतीश जीक सरकार छनि. कांग्रेस आओर दोसर पार्टी ई पूरा मामला पर अन्होर नचा देने रहैत. एक पाई के हेराफेरी भेला पर हंगामा मचा देने रहैत. मुदा अखन तं सभ लोक के बहका रहल अछि. अहां सोचिऔ दिल्ली मे भ रहल अछि ताहि मे... आओर बिहार मे भेल रहैत ओहि मे दिल्ली सरकार... यूपीए सरकार... खेल मंत्रालय... कलमाड़ी जीक कि हाल होएतिएन्हि ? कि रुख रहतन्हि तखन? राज ठाकरे जका नेता सभ कतेक हो-हल्ला करने रहैत? अहांक विचार... राय के इंतजार मे... अपन विचार जरूर बताएब.
JOIN ME:
Facebook:
LinkedIn:
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. "bihar me agar cwg hota to...hindustan delhi me lootane se bachh jata...bihar me ess tarah ki loot ki umeed nahi ki ja sakti...yaha to chor chor mausere bhai bali kahavat chartarth ho rahi...central govt. aur delhi govt...dono milkar loot ka khel khel rahi hai...badhiya praposal hai ....???"

    Alok Punj

    Darbhanga

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...