सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत कोन?

अखन हरिनाथ झा जीक ‘सहज चटकनि के मारि’ सुनि रहल छलौं. बड़ नीक गीत अछि. एकरे संग ‘हे गे भगजोगनि’... ‘दुमका मे झुमका’ ... ‘हे गे गोरिआ तोहर रूप चंदा जकां’ ... ‘हे गे बुधनी माए एकटा बीड़ी दिहे गे’ ... ‘खाके मगहिआ पान यौ पाहुन हमर’ ...सेहो सुनि रहल छलहुं. मुदा मैथिलीक गीत संगीत के बेसि प्रसार नहि होबाक कारणे. कैसेटक... सीडीक सभ दोकान पर नहि मिलबाक कारणे कइटा एहन लोकप्रिय गीत सभ अछि… जे नहि सुनि पाबय छी. 

ओना एहि बेर गाम गेल रहौं तं राजनगर सं दस टा मैथिली गीतक एमपी-3 सीडी खरीद कs आनलौं. तखनो अपन मैथिली गीत सुनि मोन नहि भरैत अछि. अहां सभ सं आग्रह जे ई बताबय के कोशिश करु.. कष्ट करु जे अहांक नजर मे मैथिलीक सभसं लोकप्रिय पांचटा गीत कोन-कोन अछि.

एहि सं हमरा तं फायदा होएबे करत... हेलो मिथिलाक पाठक सभ के सेहो नव-नव गीतक बारे मे पता चलतन्हि आओर ओ ओकरा खरीदय... सुनय के कोशिश करथिन्ह. एकरे संग हमर कोशिश ई रहत जे हम ओकरा अपन गीत-संगीत वाला ब्लॉग मस्त गाने पर सेहो डालि दी.

तखन देरी नहि करि जल्दी सं पांच टा अपन पसंदक झमकौआ गीतक नाम लिख का भेज दिअ...कमेंट के जरिए पठा दिअ... आ हमरा  hellomithilaa@gmail.com  पर पठा दिअ.  धन्यवाद.
Share/Save/Bookmark  
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. हितेंद्र जी,

    ई गीत सभ त बड्ड नीक छी. जौं एहि सुमधुर गीता सबहक लिंक दए दितियैक तखन तो सों मे सुगंध भ' जाएत छल. एहि के अलावे, हमारा किछु आओर मैथिली गीत ओतके नीक लागैत अछि,
    १. जय-जय भैरवी असुर भयाउनी.....
    २. धनि दरभंगा दोहरी अंगा...
    ३. बदरा उमरि-घुमरि घन गरजे... बुंदिया बरसान लागी न...
    ४. ब्रहम बाबा हमरा करा दिअ ब्याह.....
    ५. दुर्र-दुर्र इहो पुरुख अलबत्ते...

    सादर,
    केशव

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

अहां केना सहैत होएब ?

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

किछ हरायल शब्द

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?