जनगणना मे मैथिली दर्ज कराउ...

बिहार मे आई-काल्हि जनगणना चलि रहल अछि... जनगणना के काज मे गुरुजी सभके लगाएल गेल छनि. घर-घर जाsक जनगनणा के फॉर्म भरि रहल छथिन्ह. मुदा एहि के कारण स्कूल के पढाई-लिखाई पर असर पड़ि रहल अछि. जनगणना के कारण मास्टरजी स्कूल मे समय नहि दs पाबि रहल छथिन्ह. कई ठाम त स्कूल के सीनियर विद्यार्थीए सभ टीचर के भूमिका निभा रहल छथिन्ह. ओना मास्टरजी सभ एहन कोनो बात सं इनकार करय छथिन्ह... मुदा जखन हम सभ स्कूल मे चलहुं तखन हमहुं सभ अपना से छोट क्लास के विद्यार्थी के पढ़ाबय छलहुं. एहि सं विषय पर पकड़ आओर मजबूत होएत अछि. विद्यार्थी सभ सेहो अपना सं पैघ क्लास के विद्यार्थी संग बिना कोनो डर के नीक सं पेश आबय छथिन्ह.
जे होए अहां सभ देश में कोनो कोना मे रहैत होए... सभ ठाम जनगणना चलि रहल अछि... अहां सभ मातृभाषा वाला कॉलम मे मैथिली लिखनाय नहि भूलब. एहि बारे मे आस-पास रहय वाला लोग के सेहो जागरूक करय के कोशिश करिऔ. एहि सं पता चलत कि देश भरि मे कतेक मैथिल छी. एहि मे जाति-पाति वाला कोनो गप नहि... मिथिला के छी...घर पर मैथिली बाजय छी...मैथिली लिखाउ... कोनो संकोच नहि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. hamra lokain te maithili darz kareloihn acchi aaor sabh gote sa aagrah acchi je maithilik nam matribhasak rup me darj karabi. e neek gap achhi je sabh maithil bhai bandhu ektak parichya deb aaor mithilak man badhyab.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

केंद्र मे हारल बिहार...

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश