नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सपना सपने रहि जाएत !

दरभंगा-मधुबनी मे कई ठाम आई-काल्हि अलग मिथिला राज्य के लेल धरना प्रदर्शन भs रहल अछि. मुदा ई धरना प्रदर्शन अलग-अलग संगठन...बैनर... संस्था के तरफ सं भs रहल अछि. एक- दोसरा के बीच कोनो तालमेल नहि. कोनो ठाम मिथिला राज्य संघर्ष समिति त कोनो ठाम अखिल भारतीय मिथिला संघ त कोनो ठाम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जकां दर्जनों नाम सं अलग-अलग काज भs रहल अछि. लोक सभ सेहो कन्फ्यूज छथिन्ह जे आई एकर नाम देखय छी... काल्हि ओकर. ई कि भs रहल अछि? दू- चारि लोक आबय छथिन्ह आ अपन दोकानदारी चमका कs चलि जाए छथिन्ह. आखिर जखन सभ के मकसद एक छनि तखन ओ एक ठाम आबि कs...एक संग आबि कs किएक नहि मिथिला के लेल लड़ाई लड़य छथिन्ह.
सभसं बड़का सवाल अछि जे कि अलग मिथिला राज्य बनत? कोन आधार पर बनत? पूरा मिथिला घुमि जाउ एकटा बैनर...पोस्टर... बोर्ड मैथिली मे नहि मिलत. कोनो किताबक दोकान पर चलि जाउ दू चारिटा गिनल किताब के अलावा किछ नहि मिलत मैथिली मे. कोनो स्कूल-कॉलेज मे चलि जाउ मैथिली मे पढ़ाई नहि होएत अछि. हाई स्कूल मे मैथिली के पढ़ाई आब शुरू भेल अछि मुदा किताब के परेशानी बरकरार अछि. कॉलेज के किताब खोजैत रहि जाएब नहि मिलत. जखन पढ़ाई-लिखाई नहि. तखन राज्य कोन नाम पर? आब त लोक सभ अपन बच्चा नेना... भुटका के मैथिली बाजला पर डांटबो करय छथिन्ह...हिन्दी आ अंग्रेजी मे बाजय लेल कहय छथिन्ह. कहय छथिन्ह टोन बदलि जएतह.
अगिला साल जनगणना शुरू होएत. देखबय लोक मातृभाषा मे कि लिखाबय छथिन्ह. मिथिला राज्य के लेल आंदोलन चलाबय वाला लोक सभ के लेल सभसं बड़का इम्तिहान अछि ई. हिनका लोक के सभसं बड़का कोशिश ई रहबाक चाही जे बेसि सं बेसि लोक मैथिली के अपन मातृभाषा के रूप मे दर्ज कराबथुन्ह. नहि त एहि छितरल लड़ाई मे मिथिलाक सपना सपने रहि जाएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

  1. jai mithila! jai maithil!!

    mithila ke rajya ke roop main prastut huye ee ta abhilasha achhiye sange sang mithila main vikasak prayas seho hoyabak chahi kal karkhana je band paral achhi takara shuru karebak prayas seho hoyabak chahi, swarojgar biksit kara ke prayas kayal jaye jahisa majdoor dosar rajya main nai jaka apne rajya main karj karaith, shiksha ke seho sudharai ke prayas hoyabak chahi.
    diya slai sa airoplan tak banbai main apna ohitham admik shram aur sahyog rahait chhani muda apna ohitham kichhu nai banait achhi.
    mithila basi shram dani chathi. sab thamak vikas main hunkar shram daan kail chain aei okar badla main hunka dutkar bhet rahalchain. o kichhu laka nahi ota sa yalah bas kono tarahe apan aa apan pariwar ke bhojanak vyavstha kela.
    bharatak sab shahar ke nirmaan main maithilak shram lagal chhain muda bihar aur mithila main ek ta nik shahar nai bana sakalah
    ham bishesh roop sa sab maithil sa bas atbe anunaya binay karait chhiyan je kichhu mithilo ke lel shram daan karaith aa okro vishwa starak sundar mithila banabai ke prayas karaith. viksit mithila nirman karaith. shikshit susanskrit mithila banabaith.

    jitendra kumar mishra
    jai mithila!
    jai maithil!!

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु