ठंड सं ठिठुरल जिनगी...


नया साल मे ठंड... शीतलहर के कारण लोक के हाल खराब अछि. बीच-बीच मे चलय वाला पछुआ हवा से हड्डी कनकनैने अछि. लोक सभ के घर सं निकलनाय मुश्किल भs रहल छनि. कुहासा एतेक छाएल अछि जे कखनो-कखनो काल त जेना दस हाथ दूरक चीज सभ नहि दिखाएत रहैत अछि. एहि के कारण घोड़ा-गाड़ी के चलनाय सेहो मुश्किल भेल अछि. बस-ट्रेन... हवाई जहाज सभ कई–कई घंटा लेट सं चलि रहल अछि. छुट्टी के बाद ओना त स्कूल खुलि गेल अछि मुदा कई जिला मे प्रशासन के निर्देश के बाद अगिला दू-तीन दिन के लेल स्कूल बंद राखल के लेल कहल गेल अछि. हवा मे एतेक कनकनी अछि जे देह-हाथ ठिठुरि जाएत अछि. धूप नहि निकलय... झख्खड़ टाइप के मौसम भ जाए के कारण जरूरी काज होएले पर लोक घर सं निकलय छथिन्ह.
सभ सं बेसि दिक्कत रोज कमाए-खाए वाला लोक के छनि. ठंडी के कारण काज बंद अछि .एहन मे कि कमाएल जाए आओर कि खाएल जाए. जतय काज भs रहल अछि ओतय एहि ठंड मे सेहो किछ लोक काज करैत मिल जाएत. ई पेट जे नहि कराबय. केतबो ठंड... कुहासा... धूप... गर्मी... बारिश किएक नहि होए. बिना मजदूरी कएने कोनो उपाय नहि. ठंड के कारण सर्दी... खांसी.. जुकाम...हड्डी मे दर्द... बुखार के बीमारी सेहो बढ़ि गेल अछि. एहि मे लोक के विशेष बचाव करय के जरूरत अछि...गर्म कपड़ा पहिनु... आगि तापु... हीटर जलाउ... इनर.. मोजा पहिन के रहु. सुसुम पानि पीउ. मुदा गरीब लोक के लेल इहो मुश्किल अछि. सरकार तरफ सं ओना कई ठाम आगि तापय के इंतजाम कएल गेल अछि. किछ लोक गर्म कपड़ा आओर कंबल सेहो बांटय छथिन्ह. दान करय छथिन्ह.
ओना ठंड मे लोक सभ के खाए पिबय के किछ विशेष मौका मिलय छनि. चाय-पानी... पकौड़ा-पकौड़ी... घुगनी... आलू-चॉप...सिंघाड़ा... कचरी... छोला... बड़ी... लिट्टी-चोखा... परांठा... माछ-भात... बगेरी... चिड़ै... चिकन... बेशन...पोस्ता दाना के सब्जी... बगिआ... झोरगर तिमन-तरकारी जैसन चटर-पटर वाला चीज सभ जमि कs खाउ. ढंड मे एक चीज नीक अछि जे हाजमा ठीक रहैत अछि. कनि बेसिओ खा लिउ त घबराए के बात नहि. बड़ दिक्कत त एकटा हजमोला के गोली खा लिअ. नहि त भांगक एकटो गोली चढ़ा दिऔ. सभ ठीक. त एहि सर्दी सं परेशानी त अछिए... मुदा कनि सतर्कता के संग रजाई मे घुसि... आगि तापैत खाए-पीए के आनंद उठाउ. नहि किछ त घुरक आगि मे अल्हुआ पका क खाउ एकटा दोसरे आनंद मिलत.
Worlds Largest domain Registrar - GoDaddy.com
Click and build your very own Web site online! $1.99 Domains at GoDaddy.com

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह-10

पूर्णिया मे सुखोई

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश