Skip to main content

एयर इंडिया के घाटा पहुंचाबय के खेल



दिल्ली मे कई बेर नोएडा आबय-जाय के क्रम मे एकटा चीज देखय के लेल मिलल जे प्राइवेट बस सरकारी डीटीसी बस के आगा नहि बढ़य दैत छल. धौलाकुआं सं नोएडा के बीच दू नंबर के बस चलैत अछि 392 आओर 398. धौलाकुआं आओर नोएडा दुनु तरफ सं डीटीसी के खुलला के पांच...सात मिनट बाद प्राइवेट 392 या 398 नंबर के बस खुलैत छल. मुदा प्राइवेट बस के दू -चारि टा बदमाश लड़का डीटीसी बस मे बसैल रहैत छल आओर डीटीसी के दस कदम आगां बढला पर आगां जाs क रोकि दैत छल. आब जखन धरि प्राइवेट बस आगां नहि भs जाएत छल डीटीसी बस रुकल रहैत छल. प्राइवेट बस आगां निकलि सभ स्टैंड सं पहिनहिं सवारी उठा लैत छल आओर डीटीसी ढनढनाएत रहैत छल. एहि मे अफसर के मिलि भगत जरूर रहैत होएत किएत त बिना सहमति के सभदिन एना नहि चलैत होएत. ई त एकटा उदाहरण अछि भs सकैत अछि दोसरो रूट मे एहने होएत होए. डीटीसी के एहि सं घाटा बढैत गेल.
एहिने खेल चलि रहल अछि एयर इंडिया मे. प्राइवेट एयरलाइन के खुलला के 5 से 15 मिनट बाद सरकारी एयरलाइंस के विमान उड़ैत अछि. एहि सं सब लोक पहिने वाला विमान मे चलि जाएत अछि... टिकट बुक कराबय छथिन्ह आओर सरकारी विमान ढनढनाएत रहैत अछि. आओर हमेशा सरकारी पैकेज ... सहायता मांगेत रहैत अछि. एहि बारे मे दिल्ली सं प्रकाशित एकटा अखबार नई दुनिया मे खबर आएल अछि. खबर फ्रंट पेज पर एयर इंडिया को घाटा पहुंचाने का खेल नाम सं अछि.. खबर पढ़ि कs अहां के लागत जे सरकारी तंत्र सं केना खेलल जा रहल अछि. सरकारी पाई के बर्बाद कएल जा रहल अछि. आओर ओहि विभाग के मंत्री सभ नीक बनल रहैत छथि. जनता के पाई सं निजी कंपनी के..संस्थान के फायदा पहुंचाबय के एहि खेल पर अपन विचार जरूर राखब.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. नहीं, जो आप कह रहे हैं, वो बात हो सकती है, मगर वो पूरा सच नहीं है | मैंने कई बार जेट, सहारा (जेट लाइट ) और किंगफिशर में सफ़र किया है | यहाँ तक कि इस भारत दौरे सितम्बर ०९, में भी कई सेक्टर में मैं, हवाई जहाज़ से तय करूँगा | लोग अपनी सहूलियत देखकर हवाई जहाज़ चुनते हैं| किराया कमोबेश सबका बराबर है | मैंने Deccan और GO Air से सफ़र नहीं किया है |

    इंडियन के साथ जो समस्या है, है वह यहाँ है कि इसकी अधिकाँश होस्टेस मोटी आंटी होती है, हालाँकि अब हालत सुधर रही है | भोजन में जेट के पास कई आप्शन हैं| सुमुधर धुनें दोनों ही एयर लाइंस मुहैया करवाती है| जेट स्टाफ कई बार आपसे टिप मांग सकता है, ख़ास कर बॉम्बे और चेन्नई एअरपोर्ट पर | जेट में आपको जूस वैगरह मिलता रहता है |

    वैसे DEL-MUM सेक्टर में लेट नाईट AI से बेहतर कोई विकल्प नहीं है | सस्ता और बढिया | बस भगवान् से मानिए कि आने वाली फ्लाईट लेट न हो |

    ReplyDelete
  2. Sabyasachi jee... apan vichaar raakhai lel dhanyawad... hum t delhi ke Paper me chhapal khabar ke hawala d k ee lekh likhlau a.... agar Nai Dunia ke ehi khabar mein aadho (50%) sachchaai achhi t ee ghambheer maamla achhi... ona ahan ee baat sahi kahlau je lok khud neek service lel niji airlines ke taraf murhi rahal chhathinh.

    ReplyDelete
  3. नमस्ते हितेन्द्रजी, मुझे मैथिली लिखनी नहीं आती, लिहाजा मैं आपको हिंदी में पत्र लिख रहा हूँ | आप बहुत अच्छा लिखते हैं, और आपके ब्लॉग से मुझे अपनी दुनिया का पता चलता रहता है | हमारे हिन्दुस्तान में एक बात मैंने देखी है: कुछ लोग गधों की तरह काम करते हैं, और कुछ लोग काम के मामले में गधे होते हैं | और, यही वजह है कि हम में से अधिकांश लोग बाहर जाने के लिए मजबूर हो जाते हैं | हमारा सिस्टम दुनिया में सबसे अच्छा है, और हमारे आदमी से बढ़कर कोई कामचोर और रिश्वतखोर नहीं | कुछ दिन पहले शायद मै ने दैनिक हिन्दुस्तान की खबर में पढ़ा था कि हिंदी अकादेमी के सम्मलेन तक से लोग TA & DA का पैसा खा जाते हैं | दरअसल गरीबी बहुत है, और इसी वजह से लालच जन्म लेती है | मै स्पेनी साहित्य से पी एच डी कर रहा हूँ | आरक्षण आन्दोलन के बाद, मुझे यह तक कहा गया कि आप स्पेनी नहीं जानते, और अंत में मैंने बहुत दुखी होकर बाहर की छात्रवृति के आवेदन किया और मुझे शोध की अनुमति मिली | यहाँ मेरा स्केल 10 में 9.2 का है | बताइए, यही से आदमी कुंठित होता है | और हुनर की हत्या में हम सबसे आगे हैं | अब मेरा हिन्दुस्तान में रहने का मन ही नहीं करता | नकली चेहरे वाले आदमी कितनी फरेब से भरी बातें करते हैं, शायद अब आपको पत्रकारिता में रहने के बाद अंदाज़ हो गया होगा| खैर, मैं आपको आपके महत्वपूर्ण काम के लिए अपनी शुभकामनाएं अर्पित करता हूँ, अगर आपको स्पेनी साहित्य में, रुचि है, तो अपना नया अनुवाद भेजूंगा | अंत में शुभकामनाओं सहित, साची

    ReplyDelete
  4. dhanyawad Sabyasachi jee... Anuwad zaroor Bhejiyega.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर