आब नीतीश के बारी...

पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव के बाद आब बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के बारी अछि. अरे... हम साइडलाइन होए बारे मे नहि कहि रहल छी. बात अछि जे आब नीतीशजी के सेहो विदेशी विश्वविद्यालय सं लेक्चर के लेल बुलाबा आएल छनि. नीतीशजी के लंदन स्कूल ऑफ इकॉनामिक्स के तरफ सं ‘ग्रोथ वीक 2009’ मे भाग लेबय लेल न्योता देल गेलन्हि. ‘ग्रोथ वीक 2009’ के आयोजन 22 सं 25 सितम्बर तक लंदन स्कूल ऑफ इकॉनामिक्स मे भs रहल अछि.
मुख्यमंत्री के इंटरनेशनल ग्रोथ सेंटर सं मिलल न्योता मे विकास के विभिन्न आयाम... खासकर ग्रामीण क्षेत्र मे विकास के लेल होए वाला अनुसंधान आओर नीति निर्धारण पर बोलय के लेल कहल गेल छनि. ओना अखन धरि हुनका लंदन जाए के बारे मे कोनो फैसला नहि कएल गेल अछि. ई पूरा राज्य के हालात पर निर्भर करैत अछि... किएक त राज्य मे आई-काल्हि ओहिना सूखा के लs क हाल खराब अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

पूर्णिया मे सुखोई

किछ हरायल शब्द

हमर विआह-10

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

बिहार के एकटा आओर सम्मान

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

भाई बहिन केर प्रेमक पावनि सामा-चकेवा...