Nice! Get Add-Hindi button widget, It will increase your blog visitors and traffic with top Hindi Social Bookmarking sites. U can Install button from www.findindia.net
Nice!! Get Add-Hindi widget on your blog, it will increse your blog visitors and traffic more. U can easily submit top hind social bookmarking sites. URL: www.findindia.net
बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही? Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...
श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...
प्रसिद्ध मैथिली नाटककार महेंद्र मलंगिया जी एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित भेलाह। मलंगिया जी के रविदिन, 18 सितंबर के नेपालक राजधानी काठमांडू मे ‘हरिप्रसाद कल्याणी रिमाल नाट्यसंगीत पुरस्कार सं सम्मानित कयल गेलन्हि। मैथिली भाषा साहित्य नाट्यसर्जक आ निर्देशक महेंद्र मलंगिया जी मधुबनी जिलाक मलंगिया गाम के रहय वाला छथिन्ह। हिनका एहि सं पहिने मैथिली भाषाक प्रतिष्ठित प्रबोध सम्मान, पाटलिपुत्र सम्मान, विद्यापति सेवा संस्थान सम्मान, रंग रत्न उपाधि
ई व्यंग पूर्णतः काल्पनिक अछि। एकर पात्र , घटना वा परिस्थितिसँ कोनो लेना-देना नै अछि। जँ कोनो पात्र वा घटना किनकोसँ मिलैत छन्हि तँ एकरा मात्र संयोग बूझल जाए। एहि अपीलकेँ बाबजूदो जँ केओ एहि व्यंगक घटनाकेँ
मैथिली भाषा आओर साहित्य के बचैबाक अछि तं हार नञि मानु, लिखैत रहुं, साहित्य सृजन करैत रहुं. भाषा तं तखने बांचत जखन लगातार रचना होएत रहत. काल्हि अगर अहां के कोई पूछि देलक जे मैथिली साहित्य मे कतेक रचना भेल अछि... आओर जखन अहां शान सं कहबै जे 20 हजार आ फेर 50 हज़ार तं पूछय वाला के खुद अंदाज़ लगि जएतन्हि जे मैथिली साहित्य कतेक समृद्ध अछि. ई उद्गार छलन्हि मैथिली साहित्य के लिविंग लीजेंड
गर्मी छुट्टी शुरू होए वाला अछि. बच्चा सभ आम खाय लेल आ दादा-दादी सं मिलय लेल गाम जाए चाहय छथिन्ह. लगन सेहो शुरू भ रहल अछि. गाम मे कइटा विवाह अछि. बारात जाए आओर भोज खाए के नीक मौका अछि. मुदा जखन टिकट लेल गेलहुं तं कोनो ट्रेन मे टिकट नहि मिलल. आब समस्या ई जे गाम केना जाएल जाए. आब आ तं दलाल सं टिकट लेल जाए आ फेर तत्काल के इंतजार कएल जाए. तत्काल मे कोनो ठिकान नहि. खिड़की खुलल नहि कि
बिहार मे सरकारी स्कूल के बच्चा सभ के लेल सेहो कम्प्यूटर सं पढ़ाई शुरू भs गेल अछि. ई संभव भेल अछि बिहार सरकार के ‘ई-समर्थ’ योजना के कारण. निजी- सरकारी भागीदारी सं शुरू भेल ई योजना अखन कक्षा 6, 7 आओर 8 के विद्यार्थी के लेल अछि. आगां एहि मे सभ क्लास के बच्चा के शामिल कएल जाएत. विद्यार्थी सभ के लेल 171 तरहक पाठ तैयार कएल गेल अछि जेहि सं बच्चा सभ के पढ़ाई मे रुचि जागए. नवका-नवका चीज नव ढंग सं सीख सकय...सोचि सकय. एक बात आओर जे अखन ई सुविधा बिहार के 244 मिडिल स्कूल मे शुरू कएल गेल अछि. अगर एकर रिपोर्ट उत्साहजनक रहल त राज्य के करीब सभ 25 हजार मिडिल स्कूल मे कम्प्यूटर सं पढाई शुरू करि देल जाएत. सरकार के कोशिश कम्प्यूटर के जरिए पढ़ाई-लिखाई के बच्चा सभ के लायक बनानाय... प्रभावी शिक्षा देनाय... मन लागय वाला पाठ...कहानी के माध्यम सं रोचक ढंग सं ज्ञान मे विस्तार लनाय अछि. कम्प्यूटर शिक्षा के माध्यम सं बच्चा सभ के आधुनिक शिक्षा मिलय. नव-नव चीज जानय लेल मिलय. कम्प्यूटर शिक्षा के लेल अखन हर स्कूल के तीन टा कम्प्यूटर...एकटा प्रोजेक्टर आओर जेनरेटर देल गेल अछि. एहि सं पहिने स्कूल के मास्टरजी के जरूर...
गंभीर रूप सं बीमार मरीज के बेहतर इलाज के लेल दरभंगा सं हवाई सेवा शुरू भ रहल अछि. ई हवाई सेवा दरभंगा सं कोलकाता के बीच शुरू होएत. एहि सेवा के शुरू करि रहल अछि कोलकाता के मेडिका सुपर स्पेशलिटी अस्पताल. एकरा लेल मेडिका सुपर स्पेशलिटी अस्पताल दरभंगा मे अपन एकटा केंद्र खोलत. जतय लोक विमान सेवा के लेल सम्पर्क क सकय छथिन्ह. एहि के लेल करीब 40 हजार रुपया खर्च करय पड़त.
दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे शनि दिन, 12 नवम्बर के मिथिला महोत्सव-6 आ मैथिली साहित्य महोत्सव-3 के आयोजन कएल गेल। मैथिल पत्रकर ग्रुप द्वारा प्रेस एसोसिएशन, प्रेस क्लब ऑफ इंडिया आ ओखला प्रेस क्लब के सहयोग स एहि कार्यक्रम केर आयोजन कएल गेल। आयोजनक शुरुआत मैथिली साहित्य महोत्सव ३ सं भेल। साहित्य महोत्सव के दू सत्र मे दूटा विषय पर चर्चा भेल, ‘हवाई जहाज दरभंगा पहुँचला पर मिथिलाक विकास केँ कतेक पाँखि भेटल’ आ
ट्विटर स्पेस पर 20 सितंबर केर मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर चर्चा राखल गेल छल। परिचर्चा के शुरुआत सभदिन जकां नित्यानंद झा जी करलखिन्ह। बाद मे नितेश झा निक्की जी सेहो जुड़ि गेलखिन्ह। परिचर्चा मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन के युवा नेता अनूप मैथिल जी मिथिला राज्य निर्माण यात्रा पर विस्तार सं अपन बात राखलखिन्ह। अनूप जी कहलखिन्ह जे हम सभ गाम-गाम जा मिथिला के आम लोक के जगाबय के काज करब।
Nice! Get Add-Hindi button widget, It will increase your blog visitors and traffic with top Hindi Social Bookmarking sites. U can Install button from www.findindia.net
ReplyDeleteNice!! Get Add-Hindi widget on your blog, it will increse your blog visitors and traffic more. U can easily submit top hind social bookmarking sites.
ReplyDeleteURL: www.findindia.net