नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बागमती...कमला मे उफान...

बागमती आओर कमला बलान मे उफान सं इलाका मे बाढ़िक खतरा मंडराए लागल अछि.  बागमती आओर कमला बलान मे पानि बढ़ला सं दरभंगा आओर सीतामढ़ी जिला के कई इलाका मे पानि घुसि गेल अछि. सिंघवाड़ा आओर कुशेश्वरस्थान के कई इलाका मे पानि भरि गेल अछि. लोक के काफी परेशानी के सामना करय पड़ि रहल अछि.  मुदा लोक सभ के कोनो खास मदद नहि मिलि पाबि रहल अछि.  लोक सभ के सामने खाए-पिबय के समस्या ठाड़ भ गेल छै.  कई ठाम तटबंध पर सेहो दबाव बढ़ि गेल अछि.  मुदा प्रशासन के कहनाय अछि जे फिलहाल खतरा के कोनो गप नहि अछि.  कई ठाम त लोक चारु कात पानि सं घिरि गेल छथिन्ह.  कमाए वाला लोक सभ त पहिनहि दिल्ली... पंजाब... हरियाणा दिस चलि गेल छथिन्ह... जे गाम घर पर छथिन्ह हुनका भारी कष्ट भ रहल छनि.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु