नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दीदी के बाद दादा

रेल बजट के बाद लोक के उम्मीद छल जे आम बजट मे बिहार के लेल किछ खास रहत. नहि किछ त विशेष राज्यक दर्जा के मांग पर विचार त कएले जाएत. मुदा विशेष राज्य के गप त छोड़ु... कोसी बाढ़ि पीड़ित के पुनर्वास के लेल सेहो किछ नहि कहल गेल. लोक सभ के मुंह सं बस एतबा निकलि रहल अछि... दीदी के बाद दादा सेहो !!!
 हं... दीदी के बाद दादा सेहो बिहार के ठेंगा...अंगुठा देखा देलखिन्ह. संसद मे बजट पेश करय काल बिहार के लेल कोनो विशेष पैकेज के घोषणा नहि भेला पर सांसद सभ हंगामा सेहो कएलखिन्ह. सांसद सभ उम्मीद लगएने छलाह जे प्रणब दा आब घोषणा करताह...तब करताह. मुदा घोषणा नहि भेलाह पर सांसद सभ क धीरज टूटि गेलन्हि आओर ओ हंगामा करय लगलाह.

बजट पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलखिन्ह जे बंगाल मे आएल आएला तुफान के बाद पुनर्वास के घोषणा कएल गेल ई नीक गप अछि मुदा कोसी के बाढ़ि जकरा प्रधानमंत्री खुद राष्ट्रीय आपदा बतएलखिन्ह ओहि ठाम के लोक के पुर्नवास के लेल किछ नहि कहनाय... बिहार के संग अन्याय अछि. नीतीश जी इहो कहलखिन्ह जे विशेष राज्य के बात त दूर प्रधान मंत्री जे बिहार के विकास के लेल विशेष पैकेज देबय के बात कएने छलखिन्ह तकरो कोनो जिक्र नहि अछि. संगहि संग नीतीश जी के इहो कहनाय छलन्हि जे ओ अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय के सेंटर के लेल किशनगंज मे जमीन देबय लेल सेहो तैयार छलखिन्ह मुदा एकरो नजरअंदाज करि देल गेल. ई सेंटर मुर्शिदाबाद चलि गेल. ई एकदम निराशाजनक बात अछि. 
मुख्यमंत्री के कहनाय छनि जे केंद्र के एहि भेदभाव के एनडीए विरोध करैत अछि...ओ इहो कहलखिन्ह जे बिहार पर केंद्र के चुप्पी दुर्भाग्यपूर्ण अछि. जखन कि लोकसभा चुनाव के परिणाम आबय सं एक दिन पहिले तक यूपीए विशेष राज्यक दर्जा देबय के लेल तैयार छल. नीतीश जी इहो आरोप लगैलखिन्ह जे बिहार केर ई अनदेखी लोकसभा चुनाव मे यूपीए के हारि सं मिलल निराशा के झलकाबैत अछि. एहि दिशाहीन बजट मे बिहार के संग घोर नाइंसाफी कएल गेल अछि आओर एहि लेल ओ प्रधानमंत्री सं मुलाकात सेहो करथिन्ह.
मुख्यमंत्री के कहनाय छलन्हि जे प्रधानमंत्रीके ई सोचबाक चाही जे कोनो खास एक राज्य पर ध्यान द क आओर कोनो खास राज्य के उपेक्षा करि देश के विकास संभव नहि अछि. एहन भेदभाव मे... पक्षपात मे बिहार के लोक जखन किछ कहय आ करय छथिन्ह त बाहर के लोक दस तरहक बात करत बिहार के बारे मे. रेल बजट मे घाव पर नमक छिड़कल गेल त लोक के लागैत छल जे आम बजट मे किछ मरहम लगाएल जाएत मुदा एहि मे आओर ओहि घाव के नोचि देल गेल...खरोंचि देल गेल.
Bookmark and Share

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु