नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

हर जिला मे महिला थाना

बिहार के हर जिला मे आब एकटा महिला थाना खोलल जाएत. एकरे संग आम थाना मे सेहो महिला अधिकारी नियुक्त करय के फैसला कएल गेल अछि. महिला के खिलाफ होए वाला उत्पीड़न... शोषण के मामला मे कमी लाबय लेल राज्य महिला आयोग के तरफ सं सरकार के पास एहि बारे मे एकटा प्रस्ताव आएल छल. सरकार ओहि प्रस्ताव के स्वीकार करि लेलक अछि.
आब महिला उत्पीड़न सं जुड़ल मामला के महिला अधिकारी देखतीह. महिला थाना मे सभ स्टॉफ महिला होतीह. अखन सिर्फ पटना मे महिला थाना अछि. ओना त राज्य के हर जिला मे महिला थाना खोलल जाएत मुदा सभ सं पहिने दरभंगा... मुजफ्फरपुर... भागलपुर आओर गया मे खोलल जाएत. सरकार के ई नीक कदम अछि. कई बेर त धाक... लिहाज के कारण... लाजे महिला सभ दरोगा... थानेदार के पास रिपोर्ट लिखाबय नहि जा पाबय छथीन्ह. आब महिला सभ थाना मे रहतीह त ओ अपन परेशानी... दुख खुलि कs बतिआ पएतीह.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु