लोकसभा चुनाव मे मिलल भारी कामयाबी सं उत्साहित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्य के जनता के आभार जताबय लेल धन्यवाद यात्रा पर निकलि पड़लाह अछि. सात दिन के अपन एहि यात्रा मे रोज कम सं कम तीन लोकसभा क्षेत्र मे जएताह. तीन लोकसभा क्षेत्र मे सं कोनो एकठाम हिनकर सभा सेहो होएत. धन्यवाद यात्रा के शुरूआत बुधदिन दरभंगा... मधुबनी आओर झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र सं भेल. यात्रा के दौरान मुख्यमंत्री के संग उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सेहो रहथिन्ह. यात्रा के पहिन दिन मुख्यमंत्री एक बेर फेर केंद्र सं बिहार के विशेष राज्य के दर्जा देबय के मांग कएलखिन्ह.
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु