कि मिथिलांचल राज्य के सपना होएत साकार ?

अगर सभ किछ ठीक-ठाक रहल त मिथिला राज्यक मांग जल्दीए साकार रूप ल सकैत अछि. केंद्र सरकार के पास दसटा नबका राज्य बनाबय के आवेदन पहुंचल अछि. ओहि मे उत्तर बिहार के मैथिली भाषी इलाका के मिला क मिथिलांचल राज्य बनाबय के आवेदन सेहो शामिल अछि. केंद्र सरकार सभटा आवेदन के विचार के लेल अपना पास राखि लेलक अछि. आब ओहि दसों आवेदन पर गृहमंत्रालय विचार करत. गृह मंत्रालय राज्य के गठन के लेल जरूरी सभ पहलू पर चर्चा करि... समीक्षा करि सरकार के अपन रिपोर्ट देत. ओहि रिपोर्ट के अध्ययन के बाद केंद्र सरकार कोनो फैसला करत. ओना अखन धरि कोनो राज्य के तरफ सं एहि संबंध मे सिफारिश नहि आएल अछि जे कि राज्य के गठन के लेल जरूरी होएत अछि. ई सभ आवेदन संगठन के ओर सं आ फेर व्यक्तिगत रूप सं सरकार के पास आएल अछि. कइटा आवेदन त सरकार के पास पांच-पांच... सात-सात साल सं पड़ल अछि. अखन जे नबका राज्य बनाबय के लेल दसटा आवेदन मिलल अछि ओहि मे मिथिलांचल के अलावा बिहार-उत्तर प्रदेश सं भोजपुर... उत्तर प्रदेश सं बुंदेलखंड... आंध्र प्रदेश सं तेलंगाना... पश्चिम बंगाल सं गोरखालैंड... महाराष्ट्र सं विदर्भ ... गुजरात सं सौराष्ट्र... कर्नाटक सं कुर्ग...असम-पश्चिम बंगाल सं कूच बिहार आओर पश्चिम उत्तर प्रदेश सं हरित प्रदेश शामिल अछि.
Bookmark and Share

Comments

  1. अहां जे अपन मिथिला के बारे मे जानकारी दैत छी ओकरा लेल हम आभार व्यक्त करय छी।
    शैलेन्द्र झा
    shailendrajha1985@gmail.com

    ReplyDelete
  2. हितेन्द्र जी, आब पहिने सँ नीक अछि। मुदा एखनो पूरा पेज खुजय मे समय लागैत अछि। ओना आब कोनो विशेष समस्या नहि अछि।
    कुन्दन मलिक
    बंगलुरु

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

कि इहे सभागाछी अछि ?

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

पूर्णिया मे सुखोई

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

बिहार के एकटा आओर सम्मान

दिल्ली मे सामा चकेवा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

किछ हरायल शब्द

सुशांत झा आ नीलेश दीपक जीक सम्मान