बीपीएससी के मुख्य परीक्षा 25 सं

बीपीएससी के मुख्य परीक्षा 25 मई सं होएत. परीक्षा के लs क कई मास सं जारी अटकल खत्म भ गेल अछि. असल मे भेल रहय कि बीपीएससी के 48वीं सं लs क 52वीं तक के संयुक्त प्रतियोगिता परीक्षा के पीटी मे गड़बड़ी के शिकायत के बाद एहि पर रोक लगा देल गेल छल. अदालत के एकल पीठ के ओर सं फेर सं पीटी लेबय के आदेश देल गेल छल मुदा बाद मे ई मामला अपीलीय अदालत मे चलि गेल जतय सं एकल पीठ के फैसला पर रोक लगा देल गेल. एकल पीठ के फैसला पर रोक के संग अपीलीय अदालत बीपीएससी के मेन एक्जाम... मुख्य परीक्षा लेबय के अनुमति सेहो द देलक अछि. आब ई परीक्षा 25 मई सं होएत. पीटी परीक्षा मे करीब 19 हजार छात्र पास कएने छलाह. हां एकटा चीज जरूर अछि जे अपीलीय अदालत के फैसला मे सेहो बात अछि जे ओहन 94 टा उम्मीदवार जे पीटी परीक्षा मे गड़बड़ी के शिकायत कएने छलखिन्ह हुनका सं फेर सं पीटी परीक्षा लेल जाएत. परीक्षा के कार्यक्रम के बारे मे विस्तृत जानकारी के लेल एकरा क्लिक करु बीपीएससी.



TwitIMG

Comments