Skip to main content

Posts

Showing posts from April, 2009

किछ बेसि वोट पड़ल...

बिहार मे तेसर चरण के मतदान शांतिपूर्ण ढ़ंग सं संपन्न भ गेल. एहि बेर पिछला चरण के मुकाबला किछ बेसि वोट पड़ल अछि. वोटिंग प्रतिशत बढ़ि कs 48 फ़ीसदी तक पहुंचि गेल. 30 तारीख के 11 संसदीय सीट अररिया, बांका, बेगूसराय, भागलपुर, खगड़िया, कटिहार, किशनगंज, मधेपुरा, सुपौल, मुंगेर आओर पूर्णिया मे वोट डालल गेल. एहि सं पहिले 16 आओर 23 अप्रैल के 13-13 सीट पर वोट भेल छल. तेसर चरण के वोट मे जेडीयू अध्यक्ष शरद यादव (मधेपुरा), केन्द्रीय मंत्री आओर आरजेडी नेता तस्लीमुद्दीन (किशनगंज) , पूर्व केन्द्रीय मंत्री आओर बीजेपी नेता शाहनवाज हुसैन (भागलपुर), निर्दलीय के रूप मे पूर्व विदेश राज्य मंत्री दिग्विजय सिंह (बांका), एनसीपी के महासचिव तारिक अनवर (कटिहार), जदयू के प्रदेश अध्यक्ष राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह (मुंगेर) आओर नीतीश मंत्रिमंडल के पूर्व सदस्य मोनाजिर हसन (बेगूसराय) सहित 203 उम्मीदवारक प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि. महिला उम्मीदवार मे सांसद पप्पू यादव जीक पत्नी रंजीता रंजन, हुनकर मां शांतिप्रिया देवी सहित दिवंगत वामपंथी नेता अजीत सरकार के पत्नी माधवी सरकार के भाग्य के फैसला सेहो ईवीएम मे बंद भ गेल अछि.   ...

3 मई मैथिली दिवस

3 मई के मैथिली दिवस के रूप मे मनाबय के तैयारी चलि रहल अछि. 3 मई के ओना जानकी नवमी अछि आओर मिथिलांचल के लोक एहि जानकी नवमी के मैथिली दिवस के रूप मे मनाबय चाहैत छथिन्ह. एकरा लेल दरभंगा मे जोर-शोर तैयारी चलि रहल अछि. एहि अवसर पर कई ठाम सांस्कृतिक आओर दोसर कार्यक्रम करय के सेहो विचार अछि. विद्यापति सेवा संस्थान के तत्वाधान मे सेहो कार्यक्रम भs रहल अछि. संस्थान सं जुड़ल डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू जी के कहनाय छनि जे जानकी दिवस पर मां जानकी के प्रतिमा लगाs हुनकर पूजा कएल जाएत आओर कई तरहक कार्यक्रम कएल जाएत. संस्थान के मुख्य कार्यक्रम महाराज महेश ठाकुर मिथिला महाविद्यालय मे होएत . हुनकर इहो कहनाय छलनि जे एहि मौका पर मिथिलाक विकास आओर मैथिलीक मुद्दा पर संगोष्ठी के आयोजन सेहो होएत. मैथिली दिवस के अवसर पर अखिल भारतीय मिथिला संघक तरफ सं ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय छात्र यूनियन परिसर लालबाग मे सेहो सांस्कृतिक कार्यक्रम करय के विचार अछि.

केना मांगताह वोट

बिहार मे चुनाव के सभ सं महत्वपूर्ण दौर 30 तारीख के पूरा होई वाला अछि. 30 तारीख के वोट मिथिला के कोसी इलाका मे पड़य वाला अछि. जेहि लोकसभा क्षेत्र मे वोट पड़य वाला अछि ओहि मे सुपौल... अररिया... किशनगंज... कटिहार... पूर्णिया... मधेपुरा... बेगूसराय... खगड़िया... भागलपुर... बांका आओर मुंगेर शामिल अछि. कोसी क्षेत्र मे मतदान होए वाला अछि मुदा लोक मे चुनाव के ल s क जे उत्साह होबाक चाही ओ नहिं अछि. कोसी इलाका मे गेलाह सं अहां के नहिं लागत जे एहिठाम वोट होए वाला अछि. लोक सभ खिसिआएल छथिन्ह. मतदाता के मूड देखि नेता सभ सेहो डराएल छथिन्ह. एहन पहिल बेर अछि जे नेता अपना क्षेत्र मे जाए सं डरि रहल छथि. हुनका लोकक मन मे भरल गुस्सा... पीड़ा के अंदाजा छनि. इलाका मे कोसी के बाढ़ि अएला किछ दिन मे साल भर भ s जाएत. मुदा लोकक जिनगी अखनो पटरी पर नहिं आएल अछि. जीवन कटनाय अखनो पहाड़ बनल अछि. बाढ़ि के समय मे चारु कात जतय पानिए-पानि देखाएत छल आई-काल्हि बालूए-बालू दिखाएत अछि. जेहि खेत मे धान- गेहूं के फसल लहलहाएत छल ओ तीन-तीन...चारि-चारि फीट बालू सं भरल अछि. आरि-धूरी सभ मिटाएल अछि. ई पता लगानाय मुश्...

किएक पड़ल वोट कम ?

नक्सली हमला छोड़ि देल जाए त अखन तक बिहार मे मतदान शांतिपूर्ण रहल अछि. पहिल आओर दोसर चरण के 13 -13 लोकसभा क्षेत्र के लेल वोटिंग भs गेल अछि. मिथिलांचल के करीब-करीब आधा इलाका मे वोट पड़ि गेल अछि. मुदा अखन धरि जे वोट पड़ल अछि ओहि सं सवाल ई उठैत अछि जे एतेक कम वोट किएक पड़ल ? एकर कारण कि अछि ? पहिल चरण मे 46 प्रतिशत वोट पड़ल जखन कि दोसर मे सिर्फ 44 फीसदी लोक अपन मताधिकार के इस्तेमाल कएलाह. पप्पू पास नहिं भेल ? एतबा वोट किएक पड़ल? मतदाता जागरण अभियान चलल... वोट देबय लेल लोक के जागरूक कएल गेल. तखनो ई हाल ? जखन कि आब वोट गिराबय लेल ओतेक डरि नहिं रहि गेल. हर बूथ... संवेदनशील इलाका मे सुरक्षा के नीक प्रबंध कएल गेल छल. बूथ कब्जा होए के सेहो डर आब कम भs गेल अछि. दोसर के वोट गिरानाय आई काल्हि कठिन भs गेल अछि. फेर लोक वोट देबय लेल घर सं बाहर किएल नहिं निकललाह ? मतदान के कम होए के लेल कइटा कारण बताएल जा रहल अछि. किछ लोकक कहनाय छनि जे वोट के लेल ई मौसम नीक नहिं अछि. एतेक गर्मी मे रौद मे ठाड़ भs वोट देबय ...

मिथिला मे मतदाता जागरण अभियान

मिथिलाक चुनावी पारा अखन चरम पर अछि. सभ दल के नेता सभ अपन पूरा दम-खम लगैने छथि. वोट के लेल जे सभ भs रहल छनि कs रहल छथि. मुदा एकरे संग-संग मतदाता जागरुकता अभियान सेहो चलि रहल अछि. सहारा इंडिया मीडिया के ओर सं ' एक वोट करय चोट' अभियान चलाएल जा रहल अछि. एहि अभियान मे सहारा इंडिया मीडिया के सभ न्यूज़ चैनल समय ... सहारा समय उत्तर प्रदेश/ उत्तराखंड... मध्य प्रदेश/ छत्तीसगढ़... बिहार/ झारखंड... एनसीआर( दिल्ली हरियाणा) आओर मुम्बई (महाराष्ट्र ) चैनल के संग राष्ट्रीय सहारा दैनिक अखबार आओर सहारा टाइम अंग्रेजी साप्ताहिक के जरिए मतदाता सं नीक उम्मीदवार के चुनय के आग्रह कएल जा रहल अछि. 'एक वोट करय चोट' अभियान सं मतदाता के बताएल जा रहल अछि कि अहांक एकटा वोट बड़का चोट कs सकैत अछि. अहां कोनो सांसद... सरकार के बदलि सकैत अछि. सहारा इंडिया मीडिया के जकां आओर दोसरो लोक ... संस्था ... मीडिया हाउस मतदाता जागरुकता अभियान मे जोर-शोर सं जुटल छथि. 'दैनिक जागरण' अखबार सेहो जन जागरण अभियान चलौने अछि. जागरूकता अभियान मे मिथिलाक ... मिथिला लोकमंच... मिथिलायतन... मिथिला यूनेस्को... पाथ मिथिलांच...

एक वोट करय चोट

आई-काल्हि जखन चुनावी प्रक्रिया चलि रहल अछि. राजनीति के अपराधीकरण एकबेर फेर सं बड़का मुद्दा बनि कs उभरल अछि. कोनो पार्टी एहन नहिं अछि जेहि मे अपराधी तत्व के टिकट नहिं देल गेल होए. एहि अपराधी तत्व मे बाहुबली... माफिया... खूनी... डकैत...तस्कर शामिल भs सकैत अछि. चारु कात बाहुबली... अपराधी तत्व के जमघट अछि. सभ पार्टी केहुना कुर्सी पाबय चाहैत अछि एकरा लेल जोरगर... दबंग... आओर आपराधिक प्रवृति वाला लोक के टिकट दैत छथिन्ह. कोनो एकटा दल के एकरा लेल दोषी नहिं कहल जा सकैत अछि. सभ दल के एकहि हाल अछि. कोनो पार्टी ई दावा नहिं क सकैत अछि जे हुनका पार्टी मे एकोटा विवादास्पद पृष्ठभूमि के लोक... नेता नहिं अछि. संसद... विधानसभा मे अहां के कइटा एहन चेहरा देखय लेल मिलि जाएत जिनकर पृष्ठभूमि सभ के पता रहैत छनि. आई काल्हि जखन गठबंधन के सरकार बनाबय के टाइम आबैत अछि त पार्टी ककरो समर्थन लेबय लेल तैयार भs जाएत अछि... चाहे हुनकर व्यक्तित्व केहनो किएक नहिं होए. एहि कारण संसद आओर विधानसभा के गरिमा सेहो कम भेल अछि. अपराधी... आतंकी... नक्सली के राजनीतिक संरक्षण मिलय लागल अछि. सरकार के एहि सं लड...

टिकट जे नहिं कराबय...

लोकसभा मे पहुंचय के लेल लोक नहि जानि कोन-कोन जतन करैत अछि. पांच साल तक चुनाव आबय के इंतजार करैत छथि . ओहि पांच साल मे चुनाव जीतय़ के लेल पिच तैयार करैत छथि. कतेक पापड़ बेलैत छथि. मुदा जखन चुनाव अएला पर पार्टी के तरफ सं टिकट नहिं मिलैत छैन्हि त अहां सोचि सकय छी जे नेताजी के दिल पर कि गुजरैत हेतैन्ह. छटपटा कs रहि जाई छथि . अगर नहिं लड़लौं त पांच साल धऱि फेर इंतजार करय पड़त. एहन हाल मे त उम्मीद इहे बचैत अछि जे आ त कोनो दोसर पार्टी मे शामिल भ लड़ल जाए या निर्दलीय ठाड़ भेल जाए. आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादवजी त राबड़ी देवीजी के भाई अनिरुद्ध प्रसाद यादव उर्फ साधु यादव के पत्ता काटि देलखिन्ह. खिसिआइल साधु यादव कांग्रेस मे चलि गेलाह आ कहय छथि जे आरजेडी के एकर सबक भुगतय पड़तैक . साधु यादव पश्चिम चंपारण सं ठाड़ छथि . साधु यादव जकां बिहार मे कतेको एहन दिग्गज छथि जिनका एहि बेर चुनाव मे पाला बदलय पड़लन्हि. आरजेडी होथि.. कांग्रेस होथि ... वा जेडीयू . सभ पार्टी के नेता सभ टिकट नहिं मिलला पर अपन पार्टी के टा-टा कहि दोसर पार्टी स...

राज के छोड़ि नबका राज्य बनाउ-राहुल

राज ठाकरे के छोड़ि नबका राज्य बनाबय पर ध्यान दिउ. ई कहनाय छलन्हि कांग्रेस नेता राहुल गांधी के. राहुल गांधी बुध दिन मधुबनी के पंडौल मे छलाह. कांग्रेस नेता के कहनाय छलन्हि जे महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना... मनसे के राज ठाकरे के बात पर ध्यान नहिं दिअs. राज ठाकरे के ई नहिं भूलबाक चाही जे महाराष्ट्र...मुम्बई के बनाबय मे बिहार के लोक के बड़का हाथ छनि. बिहार के लोक बड़ मेहनती ओर लगनशील होएत छथि. अहां सभ राज के अभद्र व्यवहार के छोड़ि अपन मेहनत सं आगां बढ़य पर ध्यान दिउ... नबका राज्य बनाबय पर ध्यान दिउ. मधुबनी सं चुनाव मैदान मे ठाड़ डॉ शकील अहमद के प्रचार लेल पंडौल पहुंचला पर राहुल गांधी के जोरदार स्वागत कएल गेलन्हि. सभा मे भारी भीड़ उमड़ल छल. राहुल गांधी लोक सं कांग्रेस के वोट देबय के आग्रह कएलथिन्ह. राहुल गांधी के कहनाय छलन्हि जे बिहार सरकार हर मोर्चा पर विफल साबित भेल अछि. कोसी बाढ़ि के दौरान सरकार लोक के राहत पहुंचाबय मे विफल रहल. लोक अखनो कष्ट मे रहि रहल छथि. बिहार हर दृष्टि सं दोसर राज्य सं पाछां अछि. बिहार मे रोजगार के अवसर नहिं रहला सं लोक के दोस...

असल किंग मेकर

चुनाव के समय आबिते नेताजी सभ अपन लाव-लश्कर के संग चुनाव मैदान मे जुटि जाए छथिन्ह. हुनका सभ के लेल ई एकटा तीर्थाटने अछि. तीर्थाटन मे मंदिर के गली-गली परिक्रमा करय जकां गामे-गाम घुमि रहल छथि. इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन... ईवीएम अएला सं वोट पर कब्जा करय पर सेहो रोक लगि गेल अछि. एहि लेल चुनाव मे पहिले सं कनि बेसि मेहनत करय पड़ि रहल छन्हि. पहिने त कई ठाम दु-चारिटा बम फोड़ि लोक सभs के डरा - धमका वोट पर कब्जा क s लेल जाएत छल. जकर लाठी तकर वोट. मुदा आब एहि सभ मे बड़ सुधार भेल अछि. चुनाव आयोग कड़ाई कएने अछि. आदर्श आचार संहिता के डर सभ नेता जी के छन्हि. उम्मीदवार सभ घर -घर जाsक प्रचार मे लागल छथि. जे पहिले सं सांसद... मंत्री छलाह ओ विकासक बात करय छथिन्ह. अपन-अपन काजक उपलब्धि गिना रहल छथिन्ह. हम ई कएलौं त ओ कएलौं. नेताजी सभ अपन- अपन जाति के प्रभुत्व वाला लोक सभ के सेहो संग ल जनाय नहिं भूलि रहल छथिन्ह. जाति-धर्म सभ तरहक समीकरण... दांव अजमाएल जा रहल अछि. कइटा लोक एहनो मिलि जाएत जे पांच साल धरि जिनका गड़िआबैत छलखिन्ह. वोट अएला पर हुनके आगां-...

कि बाउ नीक छी नहिं ?

हमर गाम के बगल मे एकटा गाम अछि धेपुरा. चुनाव के समय अछि. वोट मांगय लेल एकटा नेता घुमैत-घुमैत धेपुरा गाम सेहो चलि गेलथि. टोला-टोला घुमलाह... लोक सभ के कहलथिन्ह जे हमरा वोट दिअ. हम ई कs देब...त ऊ कs देब. स्कूल खोलबा देब... बिजली लगबा देब. हाथ जोड़ि-जोड़ि सभ सं वोट देबय लेल कहथिन्ह. वोट मांगय के क्रम मे ओ दलान पर चौकी पर बैसल एकटा बुजुर्ग के पास गेलाह. बुजुर्ग अपन चश्मा ठीक करैत पूछलथिन्ह - कि बाउ केहन छी ? नीक छी नहिं ? बड़ दिन बाद देखलिअह. कतs रहय छ ? नेताजी के त किछ नहिं फुरैलन्हि. ओ बस वोट देबय के आग्रह करि... एकटा पर्चा थमा आगां बढ़ि गेलाह.

केहन छी ?

अहां सभ के हमर नमस्कार. केहन छी अहां सभ ? सभ नीक नहिं ? बड़ दिन बाद भेंट भs रहल अछि. असल मे हमर कम्प्यूटर खराब भs गेल छल आओर ठीक होबय लेल चेन्नई चलि गेल छल. एहि कारणे अहां सभ सं सम्पर्क एकदमे सं नहिं भs पाएल. मुदा आब फेर सं मुलाकातक सिलसिला शुरू भs गेल अछि. अहां सभ के कोनो शिकायत के मौका नहिं मिलत. एम्हर एकटा चीज आओर देखय के लेल मिलल जे हमर ब्लॉग पर लिखल कइटा लेख मिथला समाचार पर देखल के लेल सेहो मिलल. हम ओहि ब्लॉग के लेखक सं बस एतबा आग्रह करबैन जे ओ कम सं कम हेलो मिथिला के आभार त द देथिन्ह. आओर सभ नीक अछि अहांक हितेन्द्र गुप्ता +91-9873606696