Skip to main content

एक वोट करय चोट

आई-काल्हि जखन चुनावी प्रक्रिया चलि रहल अछि. राजनीति के अपराधीकरण एकबेर फेर सं बड़का मुद्दा बनि कs उभरल अछि. कोनो पार्टी एहन नहिं अछि जेहि मे अपराधी तत्व के टिकट नहिं देल गेल होए. एहि अपराधी तत्व मे बाहुबली... माफिया... खूनी... डकैत...तस्कर शामिल भs सकैत अछि. चारु कात बाहुबली... अपराधी तत्व के जमघट अछि. सभ पार्टी केहुना कुर्सी पाबय चाहैत अछि एकरा लेल जोरगर... दबंग... आओर आपराधिक प्रवृति वाला लोक के टिकट दैत छथिन्ह. कोनो एकटा दल के एकरा लेल दोषी नहिं कहल जा सकैत अछि. सभ दल के एकहि हाल अछि. कोनो पार्टी ई दावा नहिं क सकैत अछि जे हुनका पार्टी मे एकोटा विवादास्पद पृष्ठभूमि के लोक... नेता नहिं अछि. संसद... विधानसभा मे अहां के कइटा एहन चेहरा देखय लेल मिलि जाएत जिनकर पृष्ठभूमि सभ के पता रहैत छनि. आई काल्हि जखन गठबंधन के सरकार बनाबय के टाइम आबैत अछि त पार्टी ककरो समर्थन लेबय लेल तैयार भs जाएत अछि... चाहे हुनकर व्यक्तित्व केहनो किएक नहिं होए. एहि कारण संसद आओर विधानसभा के गरिमा सेहो कम भेल अछि.
अपराधी... आतंकी... नक्सली के राजनीतिक संरक्षण मिलय लागल अछि. सरकार के एहि सं लड़य लेल मजबूत इच्छा शक्ति के जरूरत अछि. मुदा वोट बैंक के राजनीति के कारण सरकार ओहि इच्छाशक्ति के देखा नहिं पाबैत अछि. कुर्सी जाय के डर के कारण कोनो कार्रवाई नहिं होएत अछि. ओना चुनाव के समय नेता जी सभ के भाषण सुनिऔं लागत... भ्रष्टाचार... आतंक... अपराध के खिलाफ ओ सभ सं जोरदार ढंग सं लड़ि सकैत छथि. मुदा भाषण के बाद सभ ओहिना के ओहिना. आई त इहो कहल जा रहल अछि राजनीति अपराधी... काला धंधा करय वाला... अपहरण करय वाला... दलाल... तस्कर... गुंडा-डकैत के अड्डा बनल जा गेल अछि. वोट पाबय लेल बूथ कब्जा ... पाई बांटनाय... शराब... ताड़ी पिलानाय... झूठ वादा करनाय जे सभ होएत अछि करय छथि.
शुरू मे नेता सभ अपन दबंगई... वर्चस्व... बूथ कैपचरिंग के लेल अपराधी सभ के अपना संग जोड़लाह. मुदा जखन ओहि अपराधी सभ के लागल जे जखन ओ नेता जी के जीता सकय छथिन्ह त खुद किएक नहिं जीत सकैत छथि. बस ओहो सभ चुनाव लड़य लगलाह आओर जीतय लगलाह. पहिने बूथ कैपचरिंग बेसि होएत छल मुदा आब वोटिंग मशीन... ईवीएम अएला के बाद निष्पक्ष आओर स्वतंत्र मतदान होए लागल अछि. इक्का-दुक्का मामला के छोड़ल जा सकय अछि.
आई हाल ई भ गेल अछि जे नीक लोक राजनीति मे आबय नहिं चाहय छथिन्ह. चुनाव लड़य मे एतेक खर्च भ जाएत अछि जे आम लोक के सामर्थ्य के गप्प नहिं रहि गेल अछि. असल मे देश के विकास के लेल राजनीति मे नीक... ईमानदार लोक के होनाय बहुत जरूरी अछि. मुदा जखन सेवा भावना राखय वाला नेता के जगह बाहुबली... अपराधी प्रवृति के लोक कुर्सी संभालय लगताह त देश के कि हाल होएत ओकर भगवाने मालिक अछि.
ओना अपराधी सभ के चुनय लेल अपना लोक सभ सेहो कम जिम्मेदार नहिं छी. हम ही सभ न वोट द कS हुनका जीताबय छिएन्हि. अगर हम सभ वोटर जागरूक भ एहन दागी लोक के वोट नहिं दी त हिनकर चरण संसद... विधानसभा के नापाक नहिं क सकत. अहांक लेल ई नीक मौका अछि. जे अपराधी... बाहुबली लोक चुनाव मे ठाड़ छथि हुनका खिलाफ अभियान चलाउ... हुनका वोट नहिं देबय लेल लोक के जागरुक करु... नीक लोक के चुनु. फेर किनका वोट देबय से के देखत... अहांक वोट देबय काल ओ बाहुबली नहिं रहत. जे साफ-सुथरा व्यक्तित्व वाला उम्मीदवार छथिन्ह... जे विकास करय वाला लोक लगय छथि हुनका वोट द अपराधी के सबक सिखाउ. ओना एहि के लेल कइटा संगठन... लोक काज क रहल छथिन्ह.. लोक के जागरूक करय मे लागल छथिन्ह. एके बेर मे सभ अपराधी के त रोकल नहिं जा सकैत अछि मुदा किछिओ संख्या कम भेल त लागत जे सही दिशा मे चलि रहल छी. बस शुरूआत होबाक चाही. आओर जे एहन लोक छथि हुनका त सभ त चिन्हते छी. चुपचाप... बिना कोई हो-हल्ला के एहन लोक के वोट नहिं द राजनीति ... संसद... विधानसभा के साफ सुधरा बनाउ. राजनीति मे अपराधीकरण के रोकय लेल ई एकदम जरूरी अछि. नीक लोक के आगां आबय पड़त. एकजुट होए पड़त. अपराधी...बाहुबली के चुनय जाए सं रोकय पड़त .नीक लोक के लाउ. अहांक एकटा वोट बड़का चोट सs सकैत अछि.


Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed
Add to Technorati Favorites

Comments

  1. बहुत बढ़िया...एक वोट में बड़ी चोट है...

    ReplyDelete
  2. क्या बात है...एक वोट करे चोट

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर