Skip to main content

किछ बेसि वोट पड़ल...

बिहार मे तेसर चरण के मतदान शांतिपूर्ण ढ़ंग सं संपन्न भ गेल. एहि बेर पिछला चरण के मुकाबला किछ बेसि वोट पड़ल अछि. वोटिंग प्रतिशत बढ़ि कs 48 फ़ीसदी तक पहुंचि गेल. 30 तारीख के 11 संसदीय सीट अररिया, बांका, बेगूसराय, भागलपुर, खगड़िया, कटिहार, किशनगंज, मधेपुरा, सुपौल, मुंगेर आओर पूर्णिया मे वोट डालल गेल. एहि सं पहिले 16 आओर 23 अप्रैल के 13-13 सीट पर वोट भेल छल. तेसर चरण के वोट मे जेडीयू अध्यक्ष शरद यादव (मधेपुरा), केन्द्रीय मंत्री आओर आरजेडी नेता तस्लीमुद्दीन (किशनगंज) , पूर्व केन्द्रीय मंत्री आओर बीजेपी नेता शाहनवाज हुसैन (भागलपुर), निर्दलीय के रूप मे पूर्व विदेश राज्य मंत्री दिग्विजय सिंह (बांका), एनसीपी के महासचिव तारिक अनवर (कटिहार), जदयू के प्रदेश अध्यक्ष राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह (मुंगेर) आओर नीतीश मंत्रिमंडल के पूर्व सदस्य मोनाजिर हसन (बेगूसराय) सहित 203 उम्मीदवारक प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि. महिला उम्मीदवार मे सांसद पप्पू यादव जीक पत्नी रंजीता रंजन, हुनकर मां शांतिप्रिया देवी सहित दिवंगत वामपंथी नेता अजीत सरकार के पत्नी माधवी सरकार के भाग्य के फैसला सेहो ईवीएम मे बंद भ गेल अछि.
                         एहि बेर के वोट अहां कहि सकय छी मुख्य रूप सं मिथिला मे छल आओर ज्यादातर इलाका कोसी के बाढ़ि सं प्रभावित छल. एहि इलाका मे एहि बेर प्रचार सेहो किछ सुस्त रहल. बाढ़ि मुख्य मुद्दा रहल. राहत आओर बचाव के राजनीति छाएल रहल. मुदा लोकक गुस्सा देखि नेता सभ लोकक बीच जाए सं बचैत रहलाह. राज्य सरकार के कहनाय छल जे केंद्र सं उचित मदद नहिं मिलल. जखन कि कांग्रेस आओर आरजेडी के कहनाय छल जे राज्य सरकार केंद्र सं मिलल मदद के नीक सं लोक तक नहिं पहुंचयलक. एहि बेर परीसीमन के बाद एकटा नवका संसदीय क्षेत्र सुपौल बनल. सुपौल क्षेत्र मे सहरसा, मधेपुरा ओर अररिया के किछ क्षेत्र के मिला क बनाएल गेल अछि. सहरसा चुनाव क्षेत्र नहिं रहला के कारण लोक सभ विरोध सेहो कएलखिन्ह. किछ रंगकर्मी सभ वोट बहिष्कार के बात सेहो कएने छलखिन्ह. आब सभ लोकनि के नजर 16 ताऱीख के होए वाला मतगणना पर लागि गेल अछि. 
Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites



TwitIMG

Comments

  1. बहुत ही उम्दा. हमें मैथिलि सीखने का अवसर मिल रहा है. लेकिन बहुत से शब्द शुद्ध हिंदी के लग रहे हैं जैसे"केन्द्रीय" "निर्दलीय" आदि.

    ReplyDelete
  2. Bahut achcha laga...jaise English ke kuchh shabd Hindi mein humne jyon ke tyon le liye hain usi tarah hindi ke bhi kuchh shabd maithili mein hain...

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...