सोशल नेटवर्किंग साइट

पिछला दिन गप्प भेल रहय जे कोन नेटवर्किंग साइट अछि जे बेसि लोकप्रिय अछि आओर भरोसा लायक अछि.  आई एकटा पत्रिका मे ओकर बारे मे किछ-किछ जवाब सेहो मिलि गेल.   मुदा मन नहिं भरल.  संतुष्ट नहिं भेल.  अहां सभ के किछ संदेश... कमेंट सेहो मिलल अछि.  बेसि लोक के  कहनाय छनि जे फेसबुक नीक अछि.  किछ लिंकड इन के बारे मे सेहो कहलखिन्ह.  मुदा पत्रिका मे छपल रिपोर्ट के मुताबिक सभस लोकप्रिय ऑर्कुट अछि.   दिसंबर 2008 मे ऑर्कुट सं  एक करोड़ 28 लाख लोक जुड़ल जे कि दिसंबर 2007 के तुलना मे 81 प्रतिशत बेसि अछि.   ऑर्कुट के बाद सभ सं बेसि लोक करीब 40 लाख फेसबुक सं जुड़लाह.   तेसर नंबर पर रहल भारत स्टूडेंट डॉट कॉम.   एकरे संग हाई 5 के सदस्य के संख्या सेहो काफी बढ़ल अछि.   मुदा बिगअड्डा...पर्फस्पॉट सभ के सदस्य संख्या मे कमी आएल अछि.   एहि खबर मे जे होए मुदा कइ गोटे के कहनाय छनि जे ऑर्कुट पर आब चिरकुटई बेसि होए लागल अछि.  छात्र लोकनि... नवयुवक लोकनि के लेल ई त नीक अछि मुदा काम काज वाला प्रोफेशनल नेटवर्किंग वाला लोक लिंकडइन के प्रेफर करय छथिन्ह.   सिलिकन इंडिया सेहो तेजी सं बढ़ि रहल अछि.   ओना हम ऑर्कुट...  सिलिकन इंडिया ...  फेसबुक आओर लिंकिडइन सभ सं जुड़ल छी.   अहां कोन सं जुड़ल छी ?  बताएब. 

Bookmark and Share

चिट्ठाजगत अधिकृत कड़ी

Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

केंद्र मे हारल बिहार...

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड