नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

होली पर विशेष ट्रेन

होली आबय वाला अछि आओर लोक सभ गाम जाए के लेल रेलवे रिजर्वेशन काउंटर पर टिकट के लेल भीड़ लगौने छथि. टिकट के लेल मारामारी भs रहल अछि. कइटा गाड़ी मे त टिकट नहिं मिलि रहल अछि. भीड़ के देखैत रेलवे के तरफ सं होली के लेल स्पेशल ट्रेन चलाएल जा रहल अछि . होली के लेल चारि टा स्पेशल ट्रेन चलत. चारु ट्रेन बिहार भs क चलत. एकटा ट्रेन नई दिल्ली सं पटना के बीच चलत... दोसर दिल्ली सराय रोहिल्ला सं दरभंगा के बीच जखन की तेसर आओर चारिम दिल्ली सं गुवाहाटी के बीच चलत.
पटना आओर नई दिल्ली के बीच ट्रेन नंबर 2393A आओर 2394A चलत. ई स्पेशल ट्रेन नई दिल्ली सं सांझ मे 1700 बजे खुलि दोसर दिन 1000 बजे पटना पहुंचत. जखन कि पटना सं ई ट्रेन 1200 बजे दिन मे खुलि अगिला दिन 0400 भोर मे नई दिल्ली पहुंचत. एहि मे थर्ड एसी... स्लीपर आओर जनरल डिब्बा रहत... आओर ई कानपुर... इलाहाबाद... मुगलसराय होएत पटना पहुंचत.
दिल्ली सराय रोहिल्ला सं दरभंगा के बीच चलय वाला स्पेशल ट्रेन के नंबर अछि 4006A आओर 4005A. ई ट्रेन दिल्ली सराय रोहिल्ला सं राति 2215 बजे चलि अगिला दिन 1150 बजे दरभंगा पहुंचत. जखन कि दरभंगा सं ई ट्रेन भोर मे 0700 बजे खुलि अगिला दिन 0740 बजे दिल्ली सराय रोहिल्ला पहुंचत. एहि ट्रेन मे थर्ड एसी... स्लीपर... आओर जनरल डिब्बा रहत. ई स्पेशन ट्रेन नई दिल्ली... साहिबाबाद... गाजियाबाद... कानपुर... इलाहाबाद... वाराणसी... बलिया... छपरा... सोनपुर... हाजीपुर... मुजफ्फरपुर आओर समस्तीपुर स्टेशन पर रुकत.
नई दिल्ली सं गुवाहाटी के बीच 2486 आओर 2485 नंबर के स्पेशल राजधानी एक्सप्रेस चलत. ई ट्रेन नई दिल्ली सं 0930 बजे खुलत आओर मुरादाबाद... बरेली... लखनऊ... वाराणसी... बरेली... छपरा... हाजीपुर... बरौनी... कटिहार... किशनगंज... न्यू जलपाईगुड़ी... न्यू कूच बिहार आओर न्यू बोगियागांव स्टेशन पर रुकैत अगिला दिन राति के 2015 बजे गुवाहाटी पहुंचत. गुवाहाटी सं एकर खुलय के समय रहत 1345 बजे आओर नई दिल्ली पहुंचत 1720 बजे जखन कि ट्रेन नंबर 2456 आओर 2455 नई दिल्ली- गुवाहाटी स्पेशल राजधानी एक्सप्रेस नई दिल्ली सं दोपहर 1400 बजे खुलि अगिला दिन राति मे 2015 बजे गुवाहाटी पहुंचत. गुवाहाटी सं ई ट्रेन 1345 बजे खुलि अगिला दिन 1940 बजे नई दिल्ली पहुंचत. ई ट्रेन कानपुर... इलाहाबाद... मुगलसराय... पटना... बरौनी... कटिहार... किशनगंज... न्यू जलपाई गुड़ी... न्यू कूच बिहार आओर न्यू बोगियागांव स्टेशन पर रुकत.

ई टाइम त जारी कएल गेल अछि मुदा टिकट कटाबय आओर गाम जाए सं पहिने स्टेशन सं पूरा पूछताछ कs लेनाय नीक रहत. गाड़ी नंबर आओर स्टेशन के बारे मे पूछताछ जरूर कs लेब. कोनो परेशानी होए त लिखब.

1 टिप्पणी:

  1. hello,
    hitendraji.
    apnek blog neek lagal. apne sahara samay main chi aur hum INDIA NEWS main, delhi main.
    sampark aa mulakat hobak chahi,
    shaish fer
    ashok1001@hotmail.com

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु