बड़ नीक लगैत अछि मैथिली...

मैथिली भोजपुरी अकादमी के ओर सं दिल्ली के श्रीराम सेंटर मे गणतंत्र दिवस कविता उत्सव के आयोजन कएल गेल. ओना त सिंधी अकादमी... उर्दू अकादमी सभ के ओर सं हर साल गणतंत्र दिवस पर कवि सम्मेलन होएत अछि ...मुदा मैथिली भोजपुरी अकादमी के लेल ई एहन पहिल अवसर छल. कविता उत्सव के मुख्य अतिथि छलखिन्ह दिल्ली सरकार के मंत्री किरण वालिया जी. हुनकर कहनाय छलन्हि जे मैथिली सुनय मे बड़ नीक लगैत अछि .. .बड़ मीठ भाषा अछि. मन करैत अछि सुनते रहुं. समारोह मे मैथिली कवि मे डॉ गंगेश गुंजन... रवींद्र नाथ ठाकुर... डॉ कामिनी कामायिनी आओर सारंग कुमार जी जखन कि भोजपुरी मे डॉ चंद्रदेव यादव आओर अल्का सिन्हा जी कविता पाठ कएलखिन्ह. समारोह के अध्यक्षता वरिष्ठ साहित्यकार प्रो. नित्यानंद तिवारी जी कएलखिन्ह. कविता उत्सव नीक रहल . लोक सभ सेहो खूब जुटल छलाह. दूर-दूर के किछ लोक के त ई कहि के सेहो बुला लेल गेलन्हि जे खाय-पिबय के सेहो इंतजाम रहत... मुदा ओहन कोनो बात नहिं छल. बस मे भरि- भरि के आएल लोक सभ एहि बात सं नाराज सेहो छलाह.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

अहां केना सहैत होएब ?

कि इहे सभागाछी अछि ?

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित