देर सं सही बिहार मे दरोगा बहाली के रास्ता साफ भs गेल अछि. मुदा ई देर किछ आओर उम्मीदवार के चेहरा पर खुशी लाबय मे कामयाब रहल अछि. आब पहिले के लिस्ट मे 637 टा उम्मीदवार आओर जोड़ि देल गेल अछि... पहिने 1510 दरोगा के बहाली के विज्ञापन निकलल रहय... मुदा पचड़ा मे फंसला के बाद आब 2147 लोक के दरोगा के रूप मे बहाली कएल जाएत. प्रश्न पत्र मे गड़बड़ी के लs क मामला अदालत मे मामला चलि गेल रहय. ई मामला चारि साल पहिने सं फंसल छल. मुदा आब सरकार एहि बात के साफ कs कs देलक अछि आओर एसएससी.... कर्मचारी चयन आयोग के पहिलका लिस्ट मे 537टा आओर उम्मीदवार के नाम जोड़य लेल कहि देलक अछि. उम्मीद अछि सभ लोक के एहि मास बहाली के पत्र मिलि जाएत. चलु देर सं सही ई 2009 साल अहां सभ के लेल नीक रहल. नौकरी हाथ मे आएल.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
Great News....
ReplyDeletechaliye bihar ke liye kuch to acchi kahbar hai....