नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

एम्स रेफर कएल गेलाह भोगेन्द्र जी

मिथिलाक दिग्गज नेता मे सं एक भोगेन्द्र झाजी के दरभंगा मेडिकल कॉलेज सं दिल्ली के एम्स मे भेज कs देल गेलन्हि. हिनका दरभंगा सं दिल्ली ल जाएल गेलन्हि अ. भोगेन्द्र जी के संग दरभंगा सं दु टा डॉक्टर सेहो गेलन्हि अ... डॉ भगवान दास आओर डॉ संजीव कुमार जायसवाल. डॉक्टर के संग सीपीआई नेता रामकुमार झा... डॉ हेमकांत झा आओर हरलाखी सं विधायक रामनरेश पांडेय जी सेहो दिल्ली गेलखिन्ह अ. भोगेन्द्र जीक हालत पिछला दिन 11 तारीख के दिल्ली सं दरभंगा आबैत काल खराब भs गेल छलन्हि. रास्ता मे यूपी के वरिष्ठ नेता जनेश्वर मिश्र जी हिनका बलिया मे उतारि अस्पताल मे भर्ती करा देलखिन्ह मुदा हालत ठीक नहिं भेलन्हि. त हिनका दरभंगा लs आएल गेलन्हि. डीएमसीएच मे इलाज चलल. आईसीयू मे राखल गेल. आब बेहतर इलाज के लेल हुनका एम्स भेजल गेलन्हि अ.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु