मिथिला मे खसरा रोग

कोसी मे आएल बाढ़ि के बाद मिथिला के आई कोल्हि खसरा पैर पसारले अछि. दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर... मुजफ्फरपुर... सीतामढ़ी आओर कइटा दोसर इलाका खसरा सं प्रभावित अछि. खसरा के प्रकोप के देखैत एहि इलाका मे एक तरहे हाई अलर्ट घोषित करि देल गेल अछि. इलाका मे रोग के प्रकोप देखैत सरकारी मशीनरी सेहो हऱकत मे आएल अछि. सरकार तरफ सं एकर सर्वे कराबय के आदेश दs देल गेल अछि. एहि के लेल सरकारी कैंप लगाएल जाएत आओर ओहि ठाम मरीज के मुफ्त मे इलाज कएल जाएत. सरकार के तरफ सं सभ जिला के अफसर आओर सिविल सर्जन सभ के एहि संबंध मे निर्देश द देल गेल अछि. एहि सं बचाव के लेल उपाय करय लेल कहल गेल अछि.
खसरा छुआछुत वाला बीमारी अछि. ई कुपोषण आओर गंदगी सं सेहो जोर पकड़ैत अछि. एहि मे सर्दी... बुखार... आओर शरीर पर लाल लाल दाना... चकता टाइप के निकलि जाएत अछि. एहि बीमारी सं पीड़ित बच्चा सभ के नीक सं देखभाल करय के जरूरत अछि. छींक सं सेहो ई बीमारी फैलत अछि. शरीर पर दाना होय... सर्दी...बुखार टाइप के लगय त तुरंत डॉक्टर सं देखाउ... कोनो ढिलाई बरतय के जरूरत नहिं. नीक सं इलाज भेल तं जल्दीए नीक भs जाएत अछि एकर मरीज. एहि मे खाय पीबय पर सेहो ध्यान देबय के जरूरत रहैत अछि. मरीज पौष्टिक खाना देबाक चाही.


Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

केंद्र मे हारल बिहार...

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड