नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गुवाहाटी के लेल विशेष ट्रेन


दरभंगा सं गुवाहाटी के लेल एकटा विशेष ट्रेन चलाएल जा रहल अछि. ई विशेष सुपरफास्ट ट्रेन 2502 A हफ्ता मे एक दिन रवि दिन खुलत. ई ट्रेन दरभंगा सं सुबह 0930 बजे खुलि अगिला दिन 1430 बजे गुवाहाटी पहुंचत. बीच मे ई ट्रेन समस्तीपुर... बरौनी... बेगूसराय... खगड़िया... कटिहार... मानसी स्टेशन पर रुकत. जखन कि गुवाहाटी सं ई स्पेशल ट्रेन 2501 A शनि दिन खुलत. गुवाहाटी सं एकर खुलय के टाइम रहत राति के 2330 बजे आओर ई दरभंगा अगिला दिन सांझ मे 1700 बजे पहुंचत. गुवाहाटी सं ई ट्रेन 6 आओर 13 तारीख के खुलत जखन कि दरभंगा सं 7 आओर 14 तारीख के खुलत. अखन त ई स्पेशल ट्रेन सिर्फ 14 दिसम्बर तक अछि जरूरत पड़ला पर एकर फेरा बढ़ाएल जा सकैत अछि. मुदा आबय जाय सं पहिने स्टेशन पर पूछताछ जरूर क लेल करु.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु