कि इहे सभागाछी अछि ?
मधुबनी के पास सौराठ मे आई काल्हि सौराठ सभा चलि रहल अछि. लोक सभ एहि सभा के सभागाछी के नाम सं जानैत छथिन्ह. पहिने अगर अहां भूलल-भटकलों मधुबनी आ रहिका चलि जएतहुं त पता चलि जाएत जे लगनक टाइम आबि गेल अछि... आओर सभागाछी मे सभावास चलि रहल अछि. बस स्टैंड... रेलवे स्टेशन... रिक्शा... टेम्पो पर... चारुकात कतहुं देखु... लाल-लाल धोती... चमकैत रेशमी आ मलमल के कुर्ता... ललका पाग... मुंह मे पान... हाथ मे बेंत संग कथा-वार्ताक गप मे लीन लोक मिलि जाएत छलाह. गपक विषय बस एकेटा... फलां बाबू के एतेक मे तय भेलन्हि त फलां बाबू के ओतेक मे. फलां बाबू किछ ओर धीरज रखतथिन्ह त आओर कम मे कथा तय भ जएतन्हि. ओ त धरफरा गेलाह. फलां बाबू ठका गेलाह. हुनका अपन बात पर अड़ल रहबाक चाही छलन्हि. नहि जाने कि कि... पहिने जे बात के पता पांच-सात किलोमीटर दूरहिं सं चलि जाएत छल. आई अहां सौराठ गाम सं घुमिओ कs चलि आएब त पता नहि चलत जे आई-काल्हि सभावास चलि रहल अछि. पहिने गाजा-बाजा के संग उद्घाटन होएत छल. बिरादरी के पैघ-पैघ लोक जुटए छलखिन्ह. नेता... मंत्री सभ आबैत छलाह. आब खोजलों सं नहि मिलताह. पहिने जे कथा बिना सभागाछी के शास्त्रा...

मुस्कुराहट मुस्कुराइपर मजबूर करैत अछि।
ReplyDeletehitendra bhaiya nav barkhak shubhkamna, hamar ekta lok katha maithil aar mithila par aayal achhi, dekhbak kripa karab, aa je nik lagay te otay comment seho deb
ReplyDeleteहितेन्द्र जी,
ReplyDeleteकतेक रास बात द्वारा आयोजित प्रतियोगिता मे अहाँके वर्ष २००८’क सर्वश्रेष्ठ ब्लोगर घोषित काएल गेल अछि. हमरा दिस सँ बधाई हो. आशा अछि मैथिली केँ इन्टरनेट पर आनबा मे अहाँक योगदान जारी रहत. अपनेक--
डा० पद्मनाभ मिश्र
hitendra bhaiya nav barkhak shubhkamna, hamar ekta lok katha maithil aar mithila par aayal achhi, dekhbak kripa karab, aa je nik lagay te otay comment seho deb.
ReplyDelete