सीतामढ़ी के लेल सवारी गाड़ी

सीतामढ़ी के लेल एकटा आओर सवारी गाड़ी चलाएल जा रहल अछि. असल मे समस्तीपुर आओर दरभंगा के बीच चलय वाला 331 आओर 334 नंबर गाड़ी के सीतामढ़ी तक बढ़ा देल गेल अछि. 331 नंबर गाड़ी भोर मे 0505 बजे समस्तीपुर सं खुलि 0630 पर दरभंगा पहुंचत आओर दरभंगा सं 0645 बजे खुलि 0945 पर सीतामढ़ी पहुंचत. जखन कि सीतामढ़ी सं 334 नंबर गाड़ी ते खुलय के समय रहत 1100 बजे दिन मे... ई गाड़ी दरभंगा 1350 मे पहुंचत आओर एहिठाम सं 1400 बजे खुलत. समस्तीपुर पहुंचय के समय 1550 रहत. ई गाड़ी समस्तीपुर सं सीतामढ़ी के बीच सभ स्टेशन हाल्ट पर रुकत.





Comments

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

हमर विआह-10

बिहार के एकटा आओर सम्मान

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8

कि इहे सभागाछी अछि ?

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल