खुटौना मे मोबाइल बीटीएस

मधुबनी के खुटौना मे मोबाइल बीटीएस लागि गेल अछि. एकर उद्घाटन पूर्व केन्द्रीय मंत्री आओर सांसद देवेन्द्र प्रसाद यादव कएलथिन्ह. एहि अवसर पर हुनकर कहनाय छलन्हि जे हुनकर लोक सभा क्षेत्र में 22 टा आओर नवका मोबाइल बीटीएस लगाएल जाएत. एकरे संग श्री देवेन्द्र जी इहो कहलथिन्ह जे खुटौना मे जल्दीए ब्रॉडबैण्ड सेवा शुरू करि देल जाएत. देवेन्द्र जी इहो जानकारी देलखिन्ह जे 2 दिसम्बर के रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव सुरसंड मे सीतामढ़ी भिट्टामोड़... जयनगर... लदनियां... लौकहा... लौकही... निर्मली के बीच नवका रेल लाइन के शिलान्यास करथिन्ह. 188 किलोमीटर लंबा एहि लाइन पर जल्दीए काज शुरू होएत.

Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8

अहां केना सहैत होएब ?

दिल्ली मे सामा चकेवा