नीक लोक

नीक लोक ओ
जे रहैत अछि इमानदार
बेइमानी जखन धरि
रहैत अछि नुकाएल

नीक लोक ओ

जे रहैत अछि सत्यवादी
पकड़ल नहि जाइत छैक
जखन धरि झूठ

नीक लोक ओ
जे रहैत अछि संस्कारी
जखन धरि आगू नहि
आबैत छै राक्षसी प्रवृति

नीक लोक ओ
जे रहैत अछि विश्वासी
जखन धरि मुँह नहि खोलैत अछि
धोखा पाओल लोक

नीक लोक ओ
जे नहि करत अश्लील गप
जखन धरि आगू नहि
आबैत अछि कामुक प्रस्ताव

नीक लोक ओ
जे करत लोक संग मीठ गप
जखन धिर आगू नहि
आबैत छैक प्रताड़ित पत्नी

विनीत उत्पल
( हम पुछैत छी )

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


Comments

  1. नीक लोक ओ
    जे रहैत अछि विश्वासी
    जखन धरि मुँह नहि खोलैत अछि
    धोखा पाओल लोक
    khoob neek likhne chiyaee.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

हमर विआह-9