केना जाएब गाम...

    छठ पूजा पर गाम केना जाएल जाए एकटा बड़का सवाल बनि गेल अछि.  ट्रेन टिकट लेल मारामारी मचल अछि.   कोनो ट्रेन मे टिकट नहिं बाचल अछि.  वेटिंग टिकट नहिं मिलि रहल अछि.   सभ तीन मास पहिने कटि चुकल अछि.  पटना...दरभंगाके लेल जे छठ स्पेशल ट्रेन चलाएल जा रहल अछि.  ओकरो सेहे हाल अछि. कोढ मे खाज के काज कएलक राज ठाकरे मामला पर बिहार मे ट्रेनक रोकनाय आओर स्टेशन पर तोड़फोड़. एकर कारण कइटा  ट्रेन रद्द भs गेल.  जाही कारण कतेक लोक घर जाए सं वंचित रहि गेलाह.  आब मन मसोसले...तोड़फोड़ करय वाला सभ के कोइस रहल छथिन्ह.  गाम जाए के मन रहैत प्रोग्राम कैंसिल करय पड़लन्हि.   कोनो रिजर्वेशन काउंटर पर जाउ... एजेंट के पास जाउ सभ सं बेसि भीड़ बिहार जाए वाला लोक सभ के अछि...  मुदा टिकट नहिं मिलला सं निराश छथिन्ह.   कतेक लोक त हिम्मत कs बस सं कई ठाम होएत निकलि गेलाह अछि.   आओर कतेक लोक ट्रेनक भीड़भाड़ मे लटकैत... फटकैत जा रहल छथिन्ह. एहि भीड़भाड़ मे जे  पहिने सं टिकट रिजर्वेशन करौने छथि ओ त निश्चिंत छथि मुदा स्टेशन पर पहुंचैत हुनको हाल कोनो नीक नहिं रहि जाए छनि. स्टेशन पर एतेक भीड़ जे गाड़ी पर चढ़य मे बारहो गत भs जा रहल अछि.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

किछ हरायल शब्द

हमर विआह- 8

दिल्ली प्रेस क्लब में 7 दिसंबर के मिथिला महोत्सव आ मिथिला लिटरेचर फेस्टिवल

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

अहां केना सहैत होएब ?