- छठ पूजा पर गाम केना जाएल जाए एकटा बड़का सवाल बनि गेल अछि. ट्रेन टिकट लेल मारामारी मचल अछि. कोनो ट्रेन मे टिकट नहिं बाचल अछि. वेटिंग टिकट नहिं मिलि रहल अछि. सभ तीन मास पहिने कटि चुकल अछि. पटना...दरभंगाके लेल जे छठ स्पेशल ट्रेन चलाएल जा रहल अछि. ओकरो सेहे हाल अछि. कोढ मे खाज के काज कएलक राज ठाकरे मामला पर बिहार मे ट्रेनक रोकनाय आओर स्टेशन पर तोड़फोड़. एकर कारण कइटा ट्रेन रद्द भs गेल. जाही कारण कतेक लोक घर जाए सं वंचित रहि गेलाह. आब मन मसोसले...तोड़फोड़ करय वाला सभ के कोइस रहल छथिन्ह. गाम जाए के मन रहैत प्रोग्राम कैंसिल करय पड़लन्हि. कोनो रिजर्वेशन काउंटर पर जाउ... एजेंट के पास जाउ सभ सं बेसि भीड़ बिहार जाए वाला लोक सभ के अछि... मुदा टिकट नहिं मिलला सं निराश छथिन्ह. कतेक लोक त हिम्मत कs बस सं कई ठाम होएत निकलि गेलाह अछि. आओर कतेक लोक ट्रेनक भीड़भाड़ मे लटकैत... फटकैत जा रहल छथिन्ह. एहि भीड़भाड़ मे जे पहिने सं टिकट रिजर्वेशन करौने छथि ओ त निश्चिंत छथि मुदा स्टेशन पर पहुंचैत हुनको हाल कोनो नीक नहिं रहि जाए छनि. स्टेशन पर एतेक भीड़ जे गाड़ी पर चढ़य मे बारहो गत भs जा रहल अछि.
Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...
ठीके कहलहुँ।
ReplyDelete