खत्म होएत गैस के किल्लत...
मिथिलांचल सहित बिहार के एकटा बड़का हिस्सा मे खाना पकाबय वाला गैस के जे किल्लत रहैत अछि ओ जल्दीए खत्म होएत. एहि बात के भरोस पेट्रोलियम आओर प्राकृतिक गैस राज्यमंत्री जितिन प्रसाद देलखिन्ह. श्री प्रसाद के कहनाय छलन्हि जे एलपीजी गैस के किल्लत के देखैत तेल कंपनी कइटा नवका बॉटलिंग प्लांट लगाबय जा रहल अछि. मंत्री जी के कहनाय छलन्हि जे बिहार के मुजफ्फरपुर मे बॉटलिंग प्लांट लगाबय के काज शुरू भ गेल अछि. जितिन प्रसादजी खुद मानलखिन्ह जे कंपनी के दावा के बावजूद बिहार मे गैस के लेल मारामारी होएत रहैत अछि ओर नवका प्लांट लगला सं ग्राहक... उपभोक्ता के किछ राहत मिलतन्हि. अखन त बिहार मे गैस के लेल बड़ दिक्कत भ जाएत अछि. सभ सं बेसि परेशानी त बरसाति... पानि के दिन होएत अछि. एंजेसी वाला के आगां-पाछां दौड़ेत रहु. मुदा गैस मास-मास दिन तक नहि मिलत. एक त गैस मिलला के 21 दिन... मास दिन बाद नंबर लागत. आओर ओ नंबर फेर कहिआ आएत ओ भगवाने जानैत छथिन्ह. बस दौड़ैत रहु. बरसाति मे रास्ता बंद भेलाह सं सेहो परेशानी होएत अछि. गैस वाला ट्रक नहि आ पाबैत...
ठीक कहलहुँ। मुदा एकर बीचमे अछि देशक विभिन्न भागक विकासमे असमानता। एहिपर ध्यान सेहो देब' पड़त।
ReplyDelete