स्वास्थ्य सुरक्षा अभियान

कोसी केर बाढ़ि सं प्रभावित सहरसा... सुपौल... अररिया... मधेपुरा आओर पूर्णिया मे स्वास्थ्य विभाग केर ओर सं स्वास्थ्य सुरक्षा अभियान...स्वास्थ्य आओर पोषाहार कैच अप राउंड चलाएल जा रहल अछि. स्वास्थ्य आओर पोषाहार कैच अप राउंड 27 अक्तूबर तक चलत. कैचअप राउंड मे महिला आओर नुनु...घियापुता सभ के टीका लगाएल जा रहल अछि . विटामिन ए के खुराक देल जा रहल अछि आओर पेटक कृमि मारय वाला दवाई देल जा रहल अछि . एकरे संग डायरिया के शिकार बच्चा सभ के ओआरएस देल जा रहल अछि . एहि अभियान मे आंगनवाड़ी आओर प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र के सामिल कएल गेल अछि. एहि मे राहत शिविर के संग घर- घऱ जाक दवाई...टीका देल जा रहल अछि. नाव के व्यवस्था सेहो कएल गेल अछि. एहि काज मे यूनिसेफ सेहो मदद कs रहल अछि. यूनिसेफ के तरफ सं ओआरएस... विटामिन ए आओर कृमिनाशक दवाई एलबेंडाजोल देल गेल अछि.

Comments

Popular posts from this blog

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

केंद्र मे हारल बिहार...

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश