किसान के मिलत मुफ्त बीज


कोसी के बाढ़ि सं प्रभावित मधेपुरा... सहरसा... पूर्णिया... सुपौल आओर अररिया के किसान के सरकार मुफ्त मे खाद आओर बीज देत. बिहार के कृषिमंत्री नागमणि के अनुसार एहि बारे मे हुनकर केंद्रीय रसायन आओर खाद मंत्री रामविलास पासवान सं सेहो बात भs चुकल छन्हि. बाढ़ि प्रभावित इलाका मे लोक के सभ किछ पानि मे बहि जाए के कारण सरकार ई मदद कs रहल अछि. एतबा नहिं राज्य के दोसर किसान सभ के सेहो एहि बेर रबी के फसल के लेल गेहूं...चना आओर मसूर के बीज पर पचास प्रतिशत के अनुदान देल जाएत. एकरे संग कृषि योग्य भूमि के लेल माटि केर जांच सेहो शुरू भेल अछि. एहि के लेल कृषि वैज्ञानिक सभ विशेष रूप सं बनाएल गेल प्रयोगशाला गाड़ी के लs क गामे- गाम जा रहल छथिन्ह. आओर माटि केर जांच कs रहल छथिन्ह. एकटा बात आओर गौर कएल गेल अछि जे बिहार मे मसाला केर खेती के नीक संभावना अछि. एहि के बढ़ावा देबय लेल किसान के पचास प्रतिशत अनुदान पर बीज आओर खाद देल जाएत. किसान भाई के लेल ई नीक खबर अछि. हुनका सभ के चाही जे एहि मौका के भरपूर फायदा उठाबि.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

कि इहे सभागाछी अछि ?

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

जेएमआईटी बनल डीईसी