Skip to main content

Ki Bihari Bhikhari achhi ? कि बिहारी भिखारी अछि ?

गोवा देश के एकटा सुन्दर आ सम्पन्न राज्य अछि. देश- विदेश सं एहि ठाम पर्यटक सभ आबैत रहय छथिन्ह. एहिठामक पूरा अर्थ व्यवस्था एक तरहे कहि सकय छी पर्यटन के कारोबार पर टिकल छै. एहि ठाम साल भर गोवा सं बेसि विदेशक लोक मिल जाइत. विदेशक लोक सभ एहि ठाम जमीन खरीद कs बसि रहल छथि. कहल जाइ छै जे गोवा धीरे -धीरे सेक्स आओर नशाखोरी के चंगुल मे फंसी रहल अछि. विदेशी सभ अपन प्रभुत्व बढ़ा रहल अछि... पकड़ि बढ़ा रहल छथि. सभ पाइएक माया अछि. एहि गोवा के गृहमंत्री छथिन्ह रवि नाइक जी. नाइक जी कांग्रेस के वरिष्ठ नेता छथिन्ह.

राजनीति
पर नीक पकड़ि छनि. मुदा लागय अ ओ राज ठाकरे सं प्रभावित सेहो छथिन्ह. तखन न हिनकर कहनाय छनि कि बिहारी के गोवा मे अएला सं गोवा मे भिखारी के संख्या बढ़ि जाएत. हिनका बिहारी आ भिखारी में कोनो फर्क नहिं बुझना जाइत छनि. असल मे ई मुद्दा उठल गोवा विधानसभा मे बहस के दौरान. चर्चा होई छल पटना सं पणजी के बीच नबका ट्रेन सेवा शुरू करबा पर. मुदा गृहमंत्री रवि नाइक जीक कहनाय छलन्हि जे पटना सं गोवा ट्रेन शुरू भेलाह पर बिहार भिखारी सभ गोवा चलि अएताह जाहि सं गोवा क सुन्दरता बिगड़ि जाएत. बिहारी के अएला सं गोवा मे अव्यवस्था फैलि जाएत...एहिठामक माहौल खराब भs जाएत. आब बिहारी लोक के तय करय के छनि कि ओ अपना के कि मानैत छथिन्ह. जिनका जे मन होए छनि बिहारी के बारे मे बोलि दैत छथिन्ह. आओर कांग्रेस सरकार ओकरा सह दैत रहैत अछि. महाराष्ट्र मे राज ठाकरे बिहारी... मराठी के नाम पर गुंडई करैत रहल आ देशमुख के कांग्रेसी सरकार किछ कार्रवाई नहिं करि भीतरे-भीतरे बढ़ावा दैत रहल. वोट के समय कांग्रेस के बिहारी याद आबैत अछि अनदिना गरिआबैत रहैत छथिन्ह. हम बिहारी सेहो तेहने छी गारि-बात सुनय वाला. अगर हम नीक रहितौं त कि ककरो हिम्मत होएत किछ कहय के... हमर प्रतिनिधि... नेता सभ नपुंसक जकां ओहि नेता के आगां पाछा करैत रहय छथिन्ह. सिर्फ ऊपर-झापरि बयान दs अपना के ऊपर साबित करय चाहय छथिन्ह. कोनो ठोस पहल नहिं करय छथिन्ह. एहन किछ नहिं करय छथिन्ह जाहि सं दोसरा के फेर किछ बोलय के हिम्मत नहिं होय. मुम्बई... गोवा मे एतेक बिहारी अछि जे सभ बिहारी सिर्फ एक दिन काज बंद कs घर पर रहि जएथिन्ह त कतेक काज ठप भs जाएत. हुनका सभ के बिहारी के ताकत के अंदाज नहिं छनि... इहो कहि सकय छी जे बिहारी सभ के अपन शक्ति के अंदाज नहिं छनि. हर जगह गारि सुनि चलि आबैत छनि.
रवि नाइक के बयान सं बिहार के लोक सभ के बड़ दुख भेलन्हि अ. अगर कोई एम्हर-ओम्हर के लोक कहने रहैत त दोसर गप्प छल मुदा ई त गृहमंत्री केर बयान अछि. बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनका माफी मांगल लेल कहलथिन्ह अ. नीतीश जी के कहनाय छनि जे एहि सं पता चलैत अछि जे कांग्रेस बिहारी लोक के बारे में कि सोचैत अछि. मुख्यमंत्री जी के कहनाय छनि जे बिहारी भिखारी नहिं अछि. बिहारी हर क्षेत्र मे आगां अछि... आ बिहारी के हर क्षेत्र मे आगां देखि लोक डरय लगला ... ओ सोचय छथिन्ह बिहारी के अएला सं ओ पिछड़ि जएताह. बिहारी जतय रहय छथिन्ह अपन काबिलियत...मेहनत के बल पर ओहि ठाम अपन धाक जमा दैत छथिन्ह. जे होए एहि मुद्दा पर अहां सभ सेहो आवाज उठाउ... अपन विचार लिखु.

Comments

  1. je kiyo bihari ke bikhari kaher achhi
    chaho o ravi nayak hoyat ya PM, ya Rastpati, ham te kahab kakro baksal nahi jay congress ke to angrej bala niti bani gel chhek jo phoot dalo aa raaj karo, e nahi te kahio bihar aar bihari ke saporter chhal aa nahi kahio bhay saket achhi.

    ReplyDelete
  2. bihari te gari bha gel, kahait achi 4 aadmi aur ek bihari tha, majdoor arth me seho kahai chhai, 4 bihari le aao. ya bihari samajh raha hai kya.

    javat arthik sthiti nahi sudhrat ehina hoyat.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर