नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Ki Bihari Bhikhari achhi ? कि बिहारी भिखारी अछि ?

गोवा देश के एकटा सुन्दर आ सम्पन्न राज्य अछि. देश- विदेश सं एहि ठाम पर्यटक सभ आबैत रहय छथिन्ह. एहिठामक पूरा अर्थ व्यवस्था एक तरहे कहि सकय छी पर्यटन के कारोबार पर टिकल छै. एहि ठाम साल भर गोवा सं बेसि विदेशक लोक मिल जाइत. विदेशक लोक सभ एहि ठाम जमीन खरीद कs बसि रहल छथि. कहल जाइ छै जे गोवा धीरे -धीरे सेक्स आओर नशाखोरी के चंगुल मे फंसी रहल अछि. विदेशी सभ अपन प्रभुत्व बढ़ा रहल अछि... पकड़ि बढ़ा रहल छथि. सभ पाइएक माया अछि. एहि गोवा के गृहमंत्री छथिन्ह रवि नाइक जी. नाइक जी कांग्रेस के वरिष्ठ नेता छथिन्ह.

राजनीति
पर नीक पकड़ि छनि. मुदा लागय अ ओ राज ठाकरे सं प्रभावित सेहो छथिन्ह. तखन न हिनकर कहनाय छनि कि बिहारी के गोवा मे अएला सं गोवा मे भिखारी के संख्या बढ़ि जाएत. हिनका बिहारी आ भिखारी में कोनो फर्क नहिं बुझना जाइत छनि. असल मे ई मुद्दा उठल गोवा विधानसभा मे बहस के दौरान. चर्चा होई छल पटना सं पणजी के बीच नबका ट्रेन सेवा शुरू करबा पर. मुदा गृहमंत्री रवि नाइक जीक कहनाय छलन्हि जे पटना सं गोवा ट्रेन शुरू भेलाह पर बिहार भिखारी सभ गोवा चलि अएताह जाहि सं गोवा क सुन्दरता बिगड़ि जाएत. बिहारी के अएला सं गोवा मे अव्यवस्था फैलि जाएत...एहिठामक माहौल खराब भs जाएत. आब बिहारी लोक के तय करय के छनि कि ओ अपना के कि मानैत छथिन्ह. जिनका जे मन होए छनि बिहारी के बारे मे बोलि दैत छथिन्ह. आओर कांग्रेस सरकार ओकरा सह दैत रहैत अछि. महाराष्ट्र मे राज ठाकरे बिहारी... मराठी के नाम पर गुंडई करैत रहल आ देशमुख के कांग्रेसी सरकार किछ कार्रवाई नहिं करि भीतरे-भीतरे बढ़ावा दैत रहल. वोट के समय कांग्रेस के बिहारी याद आबैत अछि अनदिना गरिआबैत रहैत छथिन्ह. हम बिहारी सेहो तेहने छी गारि-बात सुनय वाला. अगर हम नीक रहितौं त कि ककरो हिम्मत होएत किछ कहय के... हमर प्रतिनिधि... नेता सभ नपुंसक जकां ओहि नेता के आगां पाछा करैत रहय छथिन्ह. सिर्फ ऊपर-झापरि बयान दs अपना के ऊपर साबित करय चाहय छथिन्ह. कोनो ठोस पहल नहिं करय छथिन्ह. एहन किछ नहिं करय छथिन्ह जाहि सं दोसरा के फेर किछ बोलय के हिम्मत नहिं होय. मुम्बई... गोवा मे एतेक बिहारी अछि जे सभ बिहारी सिर्फ एक दिन काज बंद कs घर पर रहि जएथिन्ह त कतेक काज ठप भs जाएत. हुनका सभ के बिहारी के ताकत के अंदाज नहिं छनि... इहो कहि सकय छी जे बिहारी सभ के अपन शक्ति के अंदाज नहिं छनि. हर जगह गारि सुनि चलि आबैत छनि.
रवि नाइक के बयान सं बिहार के लोक सभ के बड़ दुख भेलन्हि अ. अगर कोई एम्हर-ओम्हर के लोक कहने रहैत त दोसर गप्प छल मुदा ई त गृहमंत्री केर बयान अछि. बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनका माफी मांगल लेल कहलथिन्ह अ. नीतीश जी के कहनाय छनि जे एहि सं पता चलैत अछि जे कांग्रेस बिहारी लोक के बारे में कि सोचैत अछि. मुख्यमंत्री जी के कहनाय छनि जे बिहारी भिखारी नहिं अछि. बिहारी हर क्षेत्र मे आगां अछि... आ बिहारी के हर क्षेत्र मे आगां देखि लोक डरय लगला ... ओ सोचय छथिन्ह बिहारी के अएला सं ओ पिछड़ि जएताह. बिहारी जतय रहय छथिन्ह अपन काबिलियत...मेहनत के बल पर ओहि ठाम अपन धाक जमा दैत छथिन्ह. जे होए एहि मुद्दा पर अहां सभ सेहो आवाज उठाउ... अपन विचार लिखु.

2 टिप्‍पणियां:

  1. je kiyo bihari ke bikhari kaher achhi
    chaho o ravi nayak hoyat ya PM, ya Rastpati, ham te kahab kakro baksal nahi jay congress ke to angrej bala niti bani gel chhek jo phoot dalo aa raaj karo, e nahi te kahio bihar aar bihari ke saporter chhal aa nahi kahio bhay saket achhi.

    जवाब देंहटाएं
  2. bihari te gari bha gel, kahait achi 4 aadmi aur ek bihari tha, majdoor arth me seho kahai chhai, 4 bihari le aao. ya bihari samajh raha hai kya.

    javat arthik sthiti nahi sudhrat ehina hoyat.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु