दरभंगा में हाईकोर्ट बेंचक मांग

दरभंगा मे पटना हाईकोर्टक बेंच बनाबय केर मांग जोर पकड़य लागल अछि. बार काउंसिल ऑफ इंडिया के ओर सं एकर मांग कएल गेल अछि आओर एकरा लेल अधिवक्ता सभ सं एकजुट होए प्रयास करय लेल कहल गेल अछि. दरभंगा बार एसोसिएशनक बैठक मे बार काउंसिल ऑफ इंडिया के अध्यक्ष सूरज नारायण प्रसाद सिन्हा के कहनाय छलन्हि जे उत्तर बिहार मे हाई कोर्ट के एकटा बेंच होनाय एकदम जरूरी अछि. अखन उत्तर बिहार के दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर... सीतामढ़ी... शिवहर... सहरसा... सुपौल... खगड़िया... पूर्णिया... बेगूसराय... अररिया...किशनगंज... कटिहार जिला के लोक के पटना जाय पड़ैत अछि. अगर दरभंगा मे बेंचक स्थापना होएत अछि तs एहिठामक लोक के समय तं बचबे करत सस्ता सुविस्ता न्याय सेहो मिलत. बेसि दौड़ धूप नहिं करय पड़त.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

मेरे मेहदी हसन