नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

Darbhanga: primary shiksha par zor

शिक्षा केर मामला में अपन मिथिलांचल अखनो बड़ पिछड़ल अछि. पढ़ाई- लिखाई के मामला में बड़ किछ करय के जरूरत अछि. बेसि सं बेसि लोक अपन नुनु... धियापुता के स्कूल भेजथिन्ह एकरा लेल लोक में जागरूकता लाबय पड़त. शिक्षा के प्रति बिना जागरूकता लएने विकासक बात करनाय बेकार होएत. शिक्षित भेला पर लोक अपन अधिकार आओर कर्तव्य के प्रति जागरूक होताह. नीक- बेजाय के नीक सं समझि पयताह. अपन जीवन स्तर में सुधारि लाबि सकताह. अखन लोक जे दस तरहक शोषण के शिकार होय छथि ओहि सं छुटकारा पयताह. समाज के निचला तबका के लेल सरकार सेहो बड़ किछ कs रहल अछि. मुदा ओहि सभ के जानकारी लोक के नहि रहैत अछि. सरकार शिक्षा... रोजगार... कामकाज... बीमा...रोटी .. कपड़ा आओर मकान के लेल दसियों टा कार्यक्रम चलाबैत अछि. मुदा बिना पढ़ल लिखल... शिक्षित भेने एकर फायदा उठयनाय मुश्किल अछि. एकटा काज कराबय के लेल दस टा लोक सं पूछय पड़ैत अछि. कमीशन दय पड़ैत अछि. मुदा साक्षर भेला पर एहि सभ सं बचल जा सकय अ. सरकार के विभिन्न योजना सभ के बेसि सं बेसि फायदा उठाबल जा सकय अ.
गाम सभ में लोक सभ दु चारि साल अपन नुनु के स्कूल भेजय छथिन्ह. मुदा कनिक छटिकगर भेलाह पर स्कूल भेजनाय बंद करि काज पर लगा दैत छथिन्ह. हुनकर परेशानी सेहो रहैत छनि. एहि सभ के ध्यान में रखैत स्कूल में दिन में खाना देबय के योजना शुरू कएल गेल अछि. किताब कॉपी मुफ्त में देल जाएत अछि. कई ठाम तं लड़की सभ के साइकिल सेहो देल गेल अछि. विद्यार्थी सभ के नाम सं बैंक में खाता खोलल गेल अछि. ओहि में सरकार तरफ सं पाई जमा कएल गेल अछि. नीक विद्यार्थी के वजीफा...छात्रवृत्ति सेहो देल जाइत अछि. एहि दिशा में एनजीओ सभ सेहो काज कs रहल अछि. मुदा एनजीओ सभ के अपन काज में कनि गंभीरता लाबय के जरूरत अछि. जे होय सरकार शिक्षा के क्षेत्र में गंभीरता सं जुटल अछि. एहि में लोक के सेहो सहयोग करय के चाहि. प्राथमिक स्तर पर सुधारि के लेल शुरुआती स्तर पर एहि साल दरभंगा में 32 टा नवका प्राथमिक स्कूल खोलल जाएत. ई स्कूल सर्वशिक्षा अभियान के तहत खोलल जाएत. एकरा संगे जिलाके 141 प्राथमिक स्कूल के मध्य विद्यालय में बदलि देल जाएत. ओकरा मिडिल स्कूल के दर्जा दए देल जाएत. त सरकार के एहि काज में सहयोग करु आओर फायदा उठाउ.

2 टिप्‍पणियां:

  1. बिहारमे शिक्षा आ' चिकित्साक क्षेत्रमे बहुत सुधार आयल अछि, तहिन सड्क सभ सेहो खूब बनि रहल अछि। वैह लोक सभ जिनका पर आरोप छल जे ओ लोकनि प्रगतिक विरोधी छथि आब सभक मुँह बन्न कए देलन्हि। हम जहिया दिल्ली आएल रही तँ एक गोटे पुछलन्हि जे बिहार छोड़ि एतेक दूर किएक आयल छी। हम कहलियन्हि, जे ई भारतक राजधानी छी, पहिने भारतक राजधानी ईसा पूर्व 300-400 साल पहिनेसँ मौर्य-कालमे पाटलिपुत्र छल तखन हमरा सभ ओतए रहैत छलहुँ, आब भारत अपन राजधानी बदलि लेलक तँ से हमरा सभ की करब।

    গজেন্দ্র ঠাকুব http://www.videha.co.in/

    जवाब देंहटाएं
  2. अपन मिथिलांचल शिक्षा केर मामला में बड़ पिछड़ल अछि, तेय दुआ ता हम सब देल्ली माँ हम सब दिन कैट रहल छि..,,,, घर परिवार सा दूर, सर बात अछि जे हमरा लोकिन का अपन घर पर मोका नए मिलल, ई पैसा जे हम सब दिल्ली माँ इन्वेस्ट का रहल छि, ई अपन बिहार का पैसा छि......
    जे उत्ता काम आब सके छल.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु