नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

शेयर बाज़ार में एतिहासिक गिरावट

सोमवार के शेयर बाज़ार में एतिहासिक गिरावट देखल गेल. शेयर बाज़ार में एक दिन में एतेक गिरावट कहिनो नहिं भेल छल. बाजार में पैसा लगाबय वाला लोक के करीब 6 लाख करोड़ रूपया के नुकसान उठाबय पड़ल अछि. सेंसेक्स आओर निफ्टी कोनो पुरान मकान जका भरभरा कS गिर पड़ल. कइटा शेयर जकरा आमतौर पर मजबूत मानल जाय छल ओकर हालत सेहो खराब देखल गेल. ऐहन अफरातफरी मचल कि लोक हड़बड़ी में शेयर बेचय लगला. एक समय त सेंसेक्स दु हजार सं ज्यादा अंक तक गिर पड़ल... आखिर में बंद होय के समय किछ संभलल आओर 1408 अंक के गिरावट के संग17, 605 पर बंद भेल. निफ्टी सेहो करीब पांच सय अंक गिरकय बंद भेल. बाजार में चौतरफा बिकवाली देखल गेल... कोनो खास एकटा सेक्टर के शेयर में गिरावट नहिं बल्कि हर सेक्टर के शेयर में गिरावट आयल. कहल जा रहल छै जे विश्व बाजार...खासक अमेरिकी बाजार में आयल मंदी के कारण ई गिरावट आयल अ. जानकार लोकक के सेहो कहनाय छैन्हि जे विदेशी संस्थागत निवेशक के पैसा निकालय के कारण बाजार भरभरा गेल. ओना बाजार में आयल तेजी के बाद एहि तरहल करेक्शन के आशंका लोक के पहिने सं छल जे बाजार में कहिओ एहन स्थिति आबि सकय अ. मुदा एकाएक एतेक खसि पड़त... ई कोई गोटे नहिं सोचने छलाह.
गिरावट के ई सिलसिला पिछला 6 कारोबारी दिन सं जारी छै आओर एहि दौरान सेंसेक्स करीब 3222 अंक गिरल अछि. आओर लोक के करीब 11 लाख करोड़ रुपया डूबि चुकल छै. लोक कहय छथिन्ह जे मजबूत शेयर में पाई लगाबह मुदा आई मजबूत शेयर सेहो धराशायी भ गेल... चाहे वो रिलायंस... डीएलएफ... बजाज ऑटो... या एसीसी जैसन मजबूत ब्लू चिप कंपनी के शेयर किएक नहिं होय. बाजार में गिरावट सं नुकसान त भेल अ मुदा अगर अहां अपन शेयर नहिं बेच लंबा समय के लेल रखने छी त भ सकय छै बाजार जखन आगा बढ़त त फायदा होयत. ओना अहि गिरावट में सेहो किछ लोक फायदा उठाबय के लेल तैयार रहय छथि. कइटा एहन कंपनी के शेयर बहुत कम दाम पर मिलि जाय छै जकरा किछ दिन के बाद बढ़य के संभावना रहय छै... जे कंपनी के शेयर के पोटेंसियल नीक रहय छै ओहि में पाय लगाकय रखल जा सकय छै. एहि गिरावट में ओहि लोक के ज्यादा नुकसान भेल अ जे ज्यादा दिन शेयर नहिं रखय छथि. अगर अहां दीर्घ अवधि के लेल निवेश करय छी तखन शेयर बाजार अहां के लेल फायदा मंद अछि. मुदा आई खरीदलौ आओर काल्हि बेच देलहुं हुनका सोम दिन नुकसान उठावय पड़लन्हि अ. ओना आमतौर पर सुरक्षित मानय जाय वाला म्युचुअल फंड में सेहो गिरावट आयल अ मुदा जे हर महीने SIP सं नियमित रुपे पाई जमा करय छथि हुनका उपर एकर कोनो खास असर नहिं पड़तन्हि.
शेयर बाजार में हाल में आयल तेजी सं बड़ लोक एहि तरफ आकर्षित भेला अ. लाखों डीमैट अकाउंट खुलि गेल अ. एहि में रिलायंस के आईपीओ आयला सं आओर तेजी आयल अ मुदा लोक के भीड़ के जेम्हर भागैत देखलहुं ओम्हर भागय के जरूरत नहिं छैन . नवका लोक के... शेयर बाजार के कम जानकार लोक के बचि कय... संभलि कय.. पाई लगावय के जरूरत छै... जिनका पास पैसा छनि हुनका अगर किछ पाई डूबि जयतन्हि त कोई असर नहिं पड़तन्हि... मुदा अगर अहांक जीवन भरक पाई अगर एकहिं बेर में डूबि गेल त कतहु के नहिं रहब. एहि के लेल हर कोनो आदमी के सलाह पर काज नहिं करु. जे लोक कहिओ पाई नहिं लगौने अछि आ ओ अहां के सलाह द रहल अ त संभलि जाउ. एहन आदमी के सलाह पर बाजार में नहिं कूदि पड़ु जिनका खुद बाजार के गहराई के पता नहिं छनि. बाजार विश्लेषक... विशेषज्ञ के पास जाउ... एसआईपी के माध्यम सं पाई लगाउ. कनि कमे आयत मुदा सुरक्षित त रहत. कनि के लोभ में अपन पूरा पाई नहिं डूबा दिअ. पाई लगाबय सं पहिने पूरा सतर्कता बरतु.

3 टिप्‍पणियां:

  1. सच्चाई है
    सटीक विश्लेशण है
    वाट लगी है
    बाज़ार की
    यह चोट है
    लौहार की

    जवाब देंहटाएं
  2. Hamar Nam Achi Manoj Kumar Jha Villge Ujan Kankpur
    Ham e janah chahe chi Share Bazar mai kena Rs Lagayal jay aur akar kona fiada hate se hamra jankari chhi kirpa kay ka batawi aur kon kampani ke share purchage kay jay aur akar hum part time mai marketing work karay chahe chi

    Hamr Mobile No e achi 9971941662

    जवाब देंहटाएं
  3. I am Manoj Kumar Jha

    i interested share puchage and marketing work

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु